5 अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर अपनासबके अनुगरह कैरके परेरित बनेल्कै। सब जातीके लोकसब बिस्बास करे आ ओकर कहल बात माने कैहके हमरा ओकर नाउमे पठाइनेछै।
ओकरे अनुगरहसे उटुङ-टुटुङ भैरके आसिस उपर आसिस मिलरहल छै।
आ उ यि सेबाके काम आ परेरितके सेबाके काम कैर सके, जे सेबाके कामसे यहुदा भटैकके आपने ठाममे मरलै।”
परमेस्वर कनङके गैर-यहुदीके दया कैरके ओकरासबके आपन लोक बनाइल्कै, से बात सिमोन अखुन्ते कहलक,
अहिनङ परमेस्वरके बचन पसरैत गेलै। यरुसलेममे बिस्बासीसबके संख्या बरहैत गेलै। पुजारीसब मेसे बहुत गोरे बचनके सुइकार कैरके परभुमे बिस्बास करल्कै।
महज परभु ओकरा कहल्कै, “जो, कथिलेकी साउल गैर-यहुदीसब, रजासब आ इजराएलीसबके सामने हमर नामके परचार करैबला उ हमर छानल लोक चियै,
परमेस्वरके देल अनुगरहसे हम तोरासबके चेताबनी दैचियौ कि, तुसब आपनके बरका नै समझ महज परमेस्वरके देल बिस्बासके नाप अनुसार तुसब जहिनङ चिही तहिनङे सोच।
अकर बारेमे अनन्त परमेस्वरके आग्या अनुसार अगमबक्तासबके लिखल बात सब जातिके लोकसब लग अखुन परकट भेल छै ताकी उसब बिस्बास करे आ ओकर आग्या पालन करे।
कि परमेस्वर यहुदीसबके मातरे परमेस्वर चियै? कि परमेस्वर गैर-यहुदीसबके परमेस्वर नै चियै से? साँचे, उ त सबके परमेस्वर चियै।
महज हम जे चियै, उ परमेस्वरके अनुगरहसे चियै आ हमर उपर करल ओकर अनुगरह बेकार नै भेलै। हम औरो परेरितसबसे बेसि मेहनत करलियै। बास्तममे काम करैबला हम नै, महज हमरसाथमे भेल परमेस्वरके अनुगरहसे काम करनेचियै।
हम औरो लोकसबके लेल परेरित नै चियै तैयो कमसेकम तोरासबके लेल त चियौ। कथिलेत हम परभुके एक परेरित चियै कैहके तुहेसब हमर गबाही चिही।
ताकी हम यहुदीसब खिरिस्टमे पहिनेसे भरोसा करलियै, परमेस्वर आपन परसन्साके खातिर छानल्कै।
अपनासब परमेस्वरके ओकर महिमामय अनुगरहके लेल धन्याबाद चरहा जे मङनिएमे आपन पिरिय बेटामे देनेछै।
अनङकैरके परमेस्वर ओकरा सिध बनेलाके बाद ओकर आग्यापालन करैबला सबके लेल उ अनन्ततक रहैबला मुक्तीके मुल बन्लै।