32 एहेन लोक मिरतुके योग्यके हैछै कैहके परमेस्वरके धारमिक नियम जानियोके उसब यि कामसब करैछै। ओतबे नै, वोहन काम करैबलासबके औरो उस्काबैछै।
तै खातिर तुसब आपन पितापुरखाके साक्छी भ्याके सहमत हैचिही, कथिलेत उसब अगमबक्तासबके मारल्कै आ तुसब ओकरासबके लेल चिहान बनाइबिही।
तोहर गबाही दैबला स्तिफनसके लहु-लहुवान कैरके मारैत खिना हम ओतै लगमे ठारभेल रहियौ। ओकरा मारैबलासब सङे मिलके ओकरौरके बस्तरके रखबारी कैरके बैठल रहियै।’
ओहै दिनसे यरुसलेमके मन्डलीके बिस्बासीसबके बिरोधमे बहौत बरका सताबट सुरु भेलै आ परेरितसबके छोइरके औरोसब बिस्बासीसब यहुदिया आ सामरियाके इलाकामे छिरिया गेलै।
परमेस्वर स्वरगसे आपन करोध पाप आ दुस्ट काम करैबला लोकसबके उपरमे परलछै। जेसब आपन दुस्ट कामसे सतके दबाके राखनेछै।
कथिलेत उसब परमेस्वरके चिन्हीयोके ओकरा आदर नै करल्कै, नै त धन्यबाद देल्कै, महज उसब आपन बिचारमे बेकम्मा भेलै आ ओइसबके मुरुख हिरदय औरो अन्हारसे भरलै।
जे कामसबसे तुसब अखैन लाज मानैचिही तै कामसबसे तोरासबके कथि फैदा भेलौ? कथिलेत ओइ कामसबके परिनाम त मिरतु चियै।
कथिलेत पाप करैबलाके बैन मिरतु चियै, महज फोक्टेमे देल परमेस्वरके बरदान त अनन्त जिबन चियै जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे देनेछै।
अहिनङे जे कोइ सतमे बिस्बास नै करल्कै आ अधरम मे मग्न रहतै उसब दोसी ठहरालजेतै आ सजायके भागिदार हेतै।