26 ओहैसे परमेस्वर ओकरासबके घिनलागैबला बेबिचारके इक्छामे ओइसबके छोइरदेल्कै। ओइसबके घरबालीसब आपन घरबलासङे स्वभाबिक सहवास राखैके छोरके जनी जनीसङे घिनलागैबला सहबास करल्कै।
अहैलेल ओकरासबके हिरदयसे चाहना करल बेबिचारमे परमेस्वर ओकरासबके छोइरदेल्कै आ उसब एक दोसरसङे घिनलागैबला काम कैरके आपन देहके अपबितर बनाइल्कै।
उसब परमेस्वरके सत ग्यानके बेकाम ठानल्कै। ओहैसे परमेस्वर ओकरासबके ओहैसबके कुबिचारमे छोइरदेल्कै।
कि अधरमी लोकसब परमेस्वरके राजमे ढुकैले नै सक्तै कैहके तोरासबके थाह नै छौ? अइ बातके गम्भिर रुपसे ले आ तुसब आपनेके धोखा नै दहै, कथिलेत अनैतिक काम करैबला, मुरतिपुजा करैबला, बेबिचार करैबला, समलिङगिसब, पुरुखगामीसब,
ओइसबके लाज पैचगेल छै आ जाइन-बुइझके हर परकारके असुध काम करैके लालचमे जिबन लगाइने छै।
कथिलेत यि लोकसब घोसैरके करल कामसबके बारेमे कहैयोले सरमके बात चियै।
परमेस्वरके नै चिन्हैबला लोकसब जखा बेबिचारके ललसा नै कर।
अतबे नै बेबस्था त बेबिचार करैबलासबके लेल, समलिङगी सबके लेल, अपहरन करैबलासबके लेल, झुठ बोलैबला, झुठ किरिया खाइबलासबके लेल आ सत सिदान्तके बिरोधमे हैबला औरो बहुतो कामसबके बिरोधमे बनलछै।
महज यि लोकसब त आपनेसे नै बुझहल बातके मजाक करैछै। ओइसबके बुइध त जानबर जखाछै आ उसब ओहै कारन नास हेतै।
तहिनङे सदोम, गमोरा आ ओकर कातकरौतके सहरके लोकसब एक एक कैरके दोसर घिनौना बेबिचारके काम करे लाग्लै। उसब आइगमे नास भ्याके कहियो नै बुताइबला आइगके दन्ड पाबैबलासबके लेल उदाहरन बन्लै।