25 उसब परमेस्वरके सतके बदला झुठके अपनेल्कै। उसब सिरिस्टी करैबला आ सबदिन आदर पाबैबला परमेस्वरके नै, महज सिरिस्टी करलहा चिजसबके पुजा आ आराधना करल्कै। आमेन।
जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन माँ-बाबुके परेम करतै, उ हमर चेला बने नै सक्तै। तहिनङे जे कोइ हमरा परेम करैसे बेसी आपन धियापुताके परेम करतै सेहो हमर चेला बनैले नै सक्तै।
“दुइटा मालिकके सेबा कोइ नै करे सकैछै। कथिलेत उ एकटाके घिरना करतै आ दोसरसे परेम करतै। उ एकटाके मान-दान करतै आ दोसरके खराब समझतै। तुसब परमेस्वर आ धन दुनुके सेबा करे नै सकबिही।
उ ओइसबके कहल्कै, “यि कन्हिकरा निकाइलके भोजके माइनजनके दहै।” तब उसब कन्हिकरा लज्याके माइनजनके देल्कै।
परमेस्वर स्वरगसे आपन करोध पाप आ दुस्ट काम करैबला लोकसबके उपरमे परलछै। जेसब आपन दुस्ट कामसे सतके दबाके राखनेछै।
कथिलेत उसब नास नै हैबला परमेस्वरके आदर करैके बदलामे नास हैबला लोक, पसुसब, चिरै-चुरगुनसब आ घिसैरके चलैबला जानबरसबके मुरती बन्याके पुजा करल्कै।
इजराएलीसब नाम चलल पुरखासबके बेटा-बेटीसब चियै, येसु खिरिस्ट सेहो अहै जातीसे जलम लेल्कै। उ त सब जातीसबमे राज करैबला परमेस्वर चियै। ओकर परसन्सा सबदिन हैतरहे! आमेन।
परभु येसुके परमेस्वर आ पिता, जे सबदिन धैनके चियै, उ जानैछै कि हम झुठ नै बाजैचियै।
मन्डलीमे आ येसु खिरिस्टमे पुस्तो-पुस्तातक सबदिन ओकरे महिमा हेबे। आमेन।
कथिलेकी जब हमसब तोरासबलग एलियौ त तुसब कनङके हमरासबके स्वागत कैल्ही आ जिबित आ सत परमेस्वरके सेबा करैके लेल कनङके मुरतिपुजा करैले छोइरदेल्ही से बात त लोकसब आपने कहैछै।
सत सिदान्त यि चियै, जे परमधन्य परमेस्वरके महिमीत सुसमाचार अनुसार छै जकरा सुनाबैके जिम्मा हमरा देलगेल छै।
जुगो-जुगके रजा, अमर, देखा नै परैबला एक मातरे परमेस्वरके आदर-भाव आ महिमा सबदिन हैते रहे। आमेन।
उसब धोखेबाज, आपने मनके रजा आ घमन्डी हेतै। परमेस्वरसे परेम करैके बदलामे सुख-बिलासके परेम करतै।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।