23 कथिलेत उसब नास नै हैबला परमेस्वरके आदर करैके बदलामे नास हैबला लोक, पसुसब, चिरै-चुरगुनसब आ घिसैरके चलैबला जानबरसबके मुरती बन्याके पुजा करल्कै।
ओइ तन्नामे पिरथिबीके सब चैरटेङा जानबरसब, ससरैबला जन्तुसब आ अकासमे उरैबला चिरै-चुरगुनसब छेलै।
अहिनङे अपनासब परमेस्वरके धियापुता भेलाके कारन, परमेस्वरके लोकसबके आपन बुधि आ कलासे बन्याल पथल, सोना आ चानीके मुरती जखा नै सम्झु।
उसब परमेस्वरके सतके बदला झुठके अपनेल्कै। उसब सिरिस्टी करैबला आ सबदिन आदर पाबैबला परमेस्वरके नै, महज सिरिस्टी करलहा चिजसबके पुजा आ आराधना करल्कै। आमेन।
तोरासबके थाहे छौ कि, जब तुसब परभुमे बिस्बास नै करनेछेल्ही, तब कोनो न कोनो परकारसे भटैकके बोले नै सकैबला मुरुतीसबके पुजा करैछेल्ही।
तुसब बितलहा दिनसबमे गैर-यहुदी जखा निरलज बेबहार करनाइ, बेबिचारमे लिन, खराब अभिलासामे लगनाइ, पिके मातल, मोज-मज्जा करैबला आ घिरनित मुरतिपुजामे परसस्त समय बिताइलिही।
उ बिपतसे बचलहा लोकसब आपन हाथके कामसबसे पस्चाताप नै करल्कै। उसब भुत-परेतसबके, देखैले नै सकैबला, सुनैले नै सकैबला आ चलै-फिरै नै सकैबला सोना, चानी, काँस, पथल आ काठके मुरतीसबके पुजैलै नै छोरल्कै।