21 कथिलेत उसब परमेस्वरके चिन्हीयोके ओकरा आदर नै करल्कै, नै त धन्यबाद देल्कै, महज उसब आपन बिचारमे बेकम्मा भेलै आ ओइसबके मुरुख हिरदय औरो अन्हारसे भरलै।
इजोत सन्सारमे एलछै आ लोकसब इजोतके बदला अन्हारके परेम करल्कै। कथिलेत ओइसबके काम दुस्ट छेलै। अहै कारन उसब दोसी ठहरतै।
तु ओकरासबके आँख खोइलके अन्हारसे इजोतमे आ सैतानके बन्धनसे परमेस्वर दिसन घुमाबे। जैसे उसब हमरमे बिस्बास करे आ ओकरसबके पाप छमा भ्याजाय आ परमेस्वरके पबितर करल लोकसब रहल ठाममे रहे पाबे।’
परमेस्वरके बारेमे जानैबला बातसब ओइसबके थाहेछै, कथिलेकी परमेस्वर ओइसबके उ बात परस्ट कैरदेनेछै।
उसब परमेस्वरके सत ग्यानके बेकाम ठानल्कै। ओहैसे परमेस्वर ओकरासबके ओहैसबके कुबिचारमे छोइरदेल्कै।
ओइसबके आँख देखैले नै सकैबला अन्हर हेबे आ ओइसबके पिठ सबदिनके लेल कुबर हेबे।”
परमेस्वर गैर-यहुदीयोसबके अनुगरह करल्कै ताकी ओहोसब ओकर महिमा करे। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “अहैसे गैर-यहुदीसबके बिचमे हम अहाँके परसन्सा करबै आ अहाँके नामके इस्तुती गाब्बै।”
कथिलेत लोक आपन स्वारथ मातर देखैबला, पैसा-कौरीके लोभ करैबला, आपनके बरका मानैबला, घमन्ड करैबला आ परमेस्वरके बिरोध करैबला हेतै। उसब आपन माँ-बापके बात नै मानैबला, असलो कामके खातिर धन्यबाद नै दैबला आ अपबितर हेतै।
तुसब जानैचिही कि परमेस्वर तोरासबके पिता-पुरखासे चलैत एल बेरथके चालचलनसे दाम तिरके तोरासबके छुटकरा देल्कौ। उ दाम सोना या चानी जखा नास हैबला चिज नै चियै।
महज तुसब त परमेस्वरके छानल जन, राजकिय पुजारी, पबितर जाती, निजी परजा चिही। उ तोरासबके अन्हारसे ओकर अचमके इजोतमे आनल्कौ, ताकी तुसब ओकर आस्चरजके कामसबके घोसना करैले सक।
उ बरका अबाजमे कहल्कै, “परमेस्वरके डर मान आ ओकर महिमा कर, कथिलेत ओकर नियाय करैबला समय आइबगेल छै। स्वरग, पिरथिबी, समुन्दर आ पानीके भवसब बनाबैबला परमेस्वरके आराधना कर।”
हे परभु, अहाँके डर के नै मानैछै? आ अहाँके नामके महिमा के नै करैछै? कथिलेकी अहाँ मातरे पबितर चियै। सब जातीके लोकसब आइबके अहाँके अगा आराधना करतै, कथिलेत अहाँके धारमिक कामसब परकट भेलछै।”