12 हमर बिस्बाससे तोरासबके आ तोरासबके बिस्बाससे हमरा उत्साह मिले कैहके हमर इक्छाछै।
बरनाबास ओते एलै आ परमेस्वर ओइसबके मन्डली उपर करल किरपा देखके खुसी भेलै। तुसब पुरा हिरदयसे परभुके बिस्बासमे बरहैत रह कैहके उत्साह देल्कै।
पबितर आत्मासे मिलल आसिस तोरासबसङे बाइटके बिस्बासमे बलगर बनाइले सकी कैहके तोरासबसे भेटैके खुब इक्छाछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबके यि थाह हेबे कैहके हम चाहैचियौ कि, तोरासबके लग बहुतो बेर आबैले चाहलियै, महज कोनो न कोनो कारनबस अखुनतक आबैले नै सकल चियै। हम औरो ठामके गैर-यहुदीसबके खिरिस्टमे बौकार बन्याल जखा तोरोसबके बौकार बनाइले खुब इक्छाछै।
ओहैसे हम इस्पेन परदेस जाइबखत बाटेमे तोरासबके भेटैके आसा करनेचियौ आ कुछ समय तोरासबसङे बिताबैके इक्छा करनेचियै। तब हमरा तुसब इस्पेन परदेस जाइले सहायता करबिही से आसा हम करनेचियौ।
यदि परमेस्वरके इक्छा हेतै त हम खुसीसे तोरासबलग एबौ आ तोरासबसङे संगती कैरके आनन्द मनाइबौ।
अहैकारन हमरासबके सान्तबना मिललछै। हमरासबके भेटल आपने सान्तबना बाहेक तितसके आनन्दमे हमसब बेसी रमाहट भेलियै, कथिलेकी तोरासबके बेबहारसे ओकर मनके सान्ती मिललछै।
एके परभु, एके बिस्बास आ एके बप्तिस्मा छै।
जब तोहर चुबल लोरके याद आबैछौ, तब तोहरसे भेट करैले मन लागैछै ताकी तोहर सङे भेटके हम खुसी हेतियै।
तितस, हमे तोरा यि चिठी लिखैचियौ। साँचोके तु हमर आपने बेटा जखा चिही कथिलेकी तोहर आ हमर बिस्बास एके चियौ। परमेस्वर पिता आ अपनासबके मुक्तीदैबला येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह आ सान्ती देबे।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके दास आ परेरितके तरफसे अपनासबके परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके धारमिकतासे अपनेसब जखा अनमोल बिस्बास पाबैबलासबके लेल यि चिठी लिखरहल चियै।
तोहर धियापुतासबमेसे कतहेक गोरा परमेस्वरके देल आग्या बमौजी सतके रस्तामे चलैत देखके हमरा बहौत खुसी लागल।
हे पिरिय भाइ-भैयासब, तोरासबके आ अपनासबके भेटल मुक्तीके बारेमे हमरा लिखैले बहौत बरका इक्छा छेलै, महज आब पबितर जनसबके सबदिनके लेल सोपल बिस्बासके रक्छा कर कैहके निबेदन करैले तोरासबके लिखैले हम आबसेक बुझलियै।