4 दोसर एकटा चहकदार लाल घोरा बाहर निकैलके एलै। लोकसब एक दोसरके हतिया करे कैहके यि घोरसबारके पिरथिबीसे सान्ती हरन करैके अधिकार परमेस्वर देल्कै। उ ओकरा एकटा बरका तलबार सेहो देल्कै।
“हम पिरथिबीमे सान्ती दैले एलचियौ से कैहके तुसब नै सोच। हम सान्ती दैले नै महज तलबार चलाइले एलचियौ।
तुसब लराइ आ लराइके हल्लासब सुनबिही। महज उ समयमे तुसब नै घबराइहे, कथिलेत पहिने यि सब हेनाइ आबस्यक छै, महज अन्त तुरन्ते नै हेतौ।”
येसु जबाब देल्कै, “यदी परमेस्वर अहाँके कोनो अधिकार नै देने रहतियौ त हमर उपर अहाँके कोनो अधिकार नै रहतियै। तै खातिर हमरा तोहर हाथमे सोपै बलासब औरो बेसीसे पापके भागिदार हेतै।”
तकरबाद अकासमे औरो एकटा अचमके चेन्हा देखा परलै, ओकर सातटा मुर आ दसटा सिङ भेल्हा एकटा बरका लाल अजेगर छेलै। ओकर सातटा मुरमे सातटा मुकुट रहै।
यदि कोनो लोक कैदके लेल छै त ओकरा कैद कैरके ल्याजेतै आ कोनो लोकके तरबारसे मारैके छै त उ साँचोके तरबारेसे मारल जेतै। तैल्याके परमेस्वरके लोकसबमे सहैके सक्ती आ बिस्बास हेबेपरतै।
तब हम पबितर आत्मासे भरलियै आ स्वरगदुत हमरा उजार जगहमे ल्यागेलै। ओते हम लाल रङके जानबरके उपरमे एकटा जनीके बैठल देखलियै। उ जानबरके सातटा मुरी आ दसटा सिङ छेलै आ ओकर पुरे देहमे परमेस्वरके निन्दा करैबला नामसब लिखल छेलै।
तब हम उ जनीके परमेस्वरके पबितर जनसब आ येसु खिरिस्टके साक्छी दैबलासबके लहु पिके मातल देखके हम एकदम छक परलियै।