तब उसब घर भितर ढुकलै आ माँ मरियम सङे बालकके देखल्कै। तब ठेङहुनिया द्याके ओकरा गोरलागल्कै आ तब आपन-आपन पेटी खोइलके सोना, सुगन्ध दैबला धुप आ महग अतरके तेल भेटी चरहेल्कै।
महज हम जे चियै, उ परमेस्वरके अनुगरहसे चियै आ हमर उपर करल ओकर अनुगरह बेकार नै भेलै। हम औरो परेरितसबसे बेसि मेहनत करलियै। बास्तममे काम करैबला हम नै, महज हमरसाथमे भेल परमेस्वरके अनुगरहसे काम करनेचियै।