4 उसब परमेस्वरके चेहरा देख्तै आ ओकर नाम ओइसबके कपारमे लिखल रहतै।
धैनके चियै सुध हिरदयबलासब, कथिलेत उसब परमेस्वरके देखतै।
जे हमर सेबा करैले चाहैछै उ हमर पछा आबे आ हम जते रहबै ओते हमर सेबक सेहो रहतै। जे कोइ हमर सेबा करैछै हमर पिता तकरा आदर करतै।
“हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
अखुन हमसब ऐनामे धोनराह देखैचियै, महज ओइ बखतमे साफ-साफ देख्बै। अखुन हम कमे बुझैचियै महज ओइ बखत परमेस्वर हमर बारेमे सब बात जानल जखा, हम्हु सब बात जान्बै।
जम्मे लोकसबसङे मिलके सान्तीमे रह आ पबितर जिबन जियैके कोसिस कर, कथिलेत पबितर नै भ्याके कोइयो नै परमेस्वरके देखैले सक्तै।
तब हम सियोन पहारमे थुमा ठारभेल देखलियै। ओकरसङे एक लाख चौबालिस हजार लोकसब छेलै, जकरासबके कपारमे ओकर नाम आ ओकर पिताके नाम लिखल छेलै।
जे जित्तै, तकरा हम आपन परमेस्वरके मन्दिरके एकटा खम्हा बनाइबै आ ओतेसे उ कहियो नै बाहर निकल्तै। हम ओकरामे परमेस्वरके नाम आ हमर परमेस्वरके सहरके नाम अरथात स्वरगसे निचा आबैबला यरुसलेम लिख्बै तब ओइमे हमर आपन लया नाम सेहो लिख्बै।’
“हमसब आपन परमेस्वरके सेबकसबके कपारमे छाप नै लगाबैतक पिरथिबी या समुन्दर या गाछ-बिरिछके बिगार नै कर।”