21 परभु येसुके अनुगरह तोरासबसङे रहे! आमेन।
तुसब रोम सहरमे भेल सब लोकसबके परमेस्वर परेम करैछै, जे परमेस्वरके पबितर लोक हैकेलेल बोल्यालगेलछै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
सान्ती दैबला परमेस्वर जल्दिए सैतानके तोरासबके टाङके तरमे मिसरेतौ। अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबसङे रहे।
हमरा आ पुरे मन्डलीके आपन घरमे स्वागत करैबला गायस सेहो तोरासबके गोरलगी कहनेछौ। यि सहरके कोसाध्यक्छ इरास्तस आ अपनासबके भाइ क्वारटस सेहो तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
परभु येसु खिरिस्टके अनुगहर, परमेस्वर पिताके परेम आ पबितर आत्माके संगति तोरासबके सङे हैतरहे।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके अनुगरह तोरासबकोइ सङे रहे।
युहन्ना आपनसे देखल सब बात लिख्नेछै। उ परमेस्वरके बचन आ येसु खिरिस्टके देख्याल सत बातके गबाही अइ किताबमे लिखनेछै।
एसिया परदेसमे भेल सातटा मन्डलीसबके युहन्नाके गोरलगी, परमेस्वर जे छै, जे छेलै आ जे एतै आ ओकर सिंहासनके अगा रहैबला सातटा परमेस्वरके आत्मासे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
“देख, हम जल्दिए आइबरहल चियौ। धैनके चियै उ, जे यि किताबमे लिखल अगमबानीके बचन पालन करैछै।”