20 यि बातके गबाही दैबला कहैछै, “साँचोके हम जल्दिए आइबरहल चियौ।” आमेन। आबु, हे परभु येसु!
औरो बहुतो कामसब येसु करल्कै। यदी ओकर करल सबकाम एक एक कैरके लिख्तै त हमरा लागैये कि ओकर बारेमे लिखल किताब सन्सारेमे नै अटतै।
कोइ परभुके परेम नै करतै त उ सरापित हेबे। हे अपनासबके परभु, आबु!
आब त परमेस्वर हमर खातिर धारमिकताके मुकुट राखनेछै। जे पुरस्कार धारमिकताके नियाय करैबला परभु ओइ दिन हमरा देतै, उ हमरा मातरे नै महज जेसब तन-मनसे ओकर आबैबला बाट ताकैछै ओइसबके लग्यादेतै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “आब आबैबला जल्दीए एतै आ उ देर नै करतै।
ओहिनङे बहुतो लोकके पाप छमाके लेल खिरिस्ट एकेबेर बली भेलै। उ दोसर बेर एतै त, ओइ बखत पाप छमाके लेल नै एतै, महज ओकरासबके मुक्तीके लेल एतै जेसब ओकर बाट ताकैत असियाल रहतै।
जिबित हैबला हम्ही चियै। हम मरल छेलियै महज आब सबदिनके लेल जिबित चियै, मिरतु आ पतालके कुजीसब हमर हाथमेछै।
युहन्ना आपनसे देखल सब बात लिख्नेछै। उ परमेस्वरके बचन आ येसु खिरिस्टके देख्याल सत बातके गबाही अइ किताबमे लिखनेछै।
ओहै खातिर पापसे पस्चाताप कर, नै त हम जल्दिए तोरासबलग एबौ आ हमर मुहसे निकलल तलबारसे उ दुस्ट काम करैबलासबसङे लराइ करबौ।
तब उ हमरा एहैन कहल्कै, “यि किताबके अगमबानीसब घोसाइरके नै राख, कथिलेत यि सब पुरा हैबला समय नजदिक चैलएल छै।
“देख, हम जल्दिए आइबरहल चियौ। हरेक लोकके ओकरासबके करल आपन-आपन काम अनुसारके दैबला इनाम हमरसङे छै।
हम युहन्ना, यि किताबके अगमबानीके बचन सुनैबलासबके हम चेताबनी दैचियौ कि, यदि जे कोइ अइमे थपैछै त ओकरा परमेस्वर यि किताबमे लिखल बिपतसब थैपदेतौ।
“देख, हम जल्दिए आइबरहल चियौ। धैनके चियै उ, जे यि किताबमे लिखल अगमबानीके बचन पालन करैछै।”