यि बातसब साँचोके चियै। हम चाहैचियै कि अइ बातसबमे जोर दिय, ताकि जे परमेस्वरमे बिस्बास करने छै उसब असल काममे धियान देबे। कथिलेकी यि सब लोकसबके लेल असल आ फाइदाके बात चियै।
तब सात बाटी लेल सात स्वरगदुतमेसे एक गोरे हमर लगमे आइबके कहल्कै, “एते या, हम तोरा नाम चलल बेबिचारनी जनीके कनङके सजाय दैछै से देखाइबौ। उ बेबिचारनी जनी समुन्दरके पानी उपरमे रहैछेलै।
कथिलेत परमेस्वर आपन उदेस्य पुरा करैबला मन ओकरासबके देनेछै आ परमेस्वरके कहल बचन पुरा नै हैतक उसब एकेमन भ्याके काम करतै, राज करैबला आपन अधिकार उ जानबरके देतै।
“फिलाडेल्फियाके मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख, ‘उ जे पबितर आ सत छै, जकर हाथमे दाउदके कुजी छै आ जकर खोलल केबार कोइ नै बन्द करैले सक्तै या बन्द करल केबार कोइ नै खोलैले सक्तै।