15 जाती-जातीके लोकसबके नास करैले ओकर मुहसे धारबला तलबार निकलल छेलै। उ ओइसबके लोहाके डन्टासे सासन करतै आ कोल्हुमे अङगुरके रस निकालल जखा सरबसक्तिमान परमेस्वरके करोध ओइसबके गुन्डीमिसान करतै।
उ ब्यबस्था भङ करैबला लोक परकट हेतै। जकरा परभु येसु आपन मुहके एक साँसमे नास करतै। परभु येसुके आपन आगमनके चमकके तेजसे ओकरा नास करतै।
ओकर दहिना हाथसे सातटा तरा पकरने रहलै आ ओकर मुहसे चोखगर दुधारके तलबार निकलल छेलै। ओकर चेहरा दुपहरके सुरुजके रौद जखा चम्कैत छेलै।
वह्या जनि सारा जातीके लोहाके डन्टासे सासन करैले एकटा बेटा जलमेल्कै। ओकर बेटाके उठाके परमेस्वर आपनलग आ आपने सिंहासनमे ल्यागेलै।
तकरा परमेस्वरके करोधके बाटीमे बिना मिलाबटके तयार करल परमेस्वरके करोधके करा दाखमध पियैले परतै। उसब पबितर स्वरगदुतसब आ थुमाके अगा आइग आ गन्धकमे कस्ट भोग्तै।
बाकी लोकसब घोरामे सबार हैबलाके मुहसे निकलल तलबारसे मारलगेलै आ अकासके चिरै-चुरगुनसब ओइसबके मासु अग्हा-अग्हाके खेल्कै।
“परगामममे भेल मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख, जकरसङे दुइ दिसन धार भेल तलबार छै, उ अनङ कहैछै।
ओहै खातिर पापसे पस्चाताप कर, नै त हम जल्दिए तोरासबलग एबौ आ हमर मुहसे निकलल तलबारसे उ दुस्ट काम करैबलासबसङे लराइ करबौ।
तकरबाद उसब लोहाके डन्टासे सासन करतै आ जाती जातीके लोकसबके माटीके बरतन जखा चकनाचुर करतै, जनङ हम आपन पितासे अधिकार पाबनेचियै तहिनङे ओकरा सबके देबौ।