24 बेबिलोन सहर दन्ड पाबने छै कथिलेत पिरथिबीके अगमबक्तासब, परमेस्वरके पबितर जनसब आ पिरथिबीमे मारलगेलसबके लहु ओह्या सहरमे बह्याल छेलै।
“तुहे धरमगुरुसब आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब चुनासे पोतल चिहानसब जखा चिही, जे बाहरसे त सुन्दर देखाइछै, महज ओकर भितरमे मुरदाके हडी आ सरल चिजसे भरल रहैछै।
अहै तरहसे पिरथिबीमे धरमी लोकके जतहेक खुन बहलै- धरमी हाबिलके लहुसे लके बेरेक्याहके बेटा जकरियाके लहुतक, जकरा तुसब मन्दिरके पबितर ठाम आ बेदीके बिचमे हतिया करलिही- तकरासबके दोस तोरेसबके कपारमे परतौ।
कि अगमबक्तासब मेसे ककरा नै तोरौरके पिता-पुरखासब सतेल्कौ? परमेस्वरके पबितर धारमिक सेबकके आबैसे पैहने भबिसबानी करैबलासबके खुन कैर देल्कौ आ तुसब ओहै धरमी सेबकसबके पकराके ओकरा खुन कैर देल्ही।
उहे यहुदी लोकसब अगमबक्ताके आ उहेसब परभु येसु सेहो मुवेल्कै आ हमरोसबके सताइबला उहेसब चियै। उसब परमेस्वरके मन नै परैबला काम करैछै आ सारा लोकसबसे बिरोधी हैछै।
उसब आपन गबाही दैबला काम ओरेलाकेबाद नरकसे निकैलके एल उ जानबर ओकरासबसे लराइमे जितके ओकरासबके जानसे माइरदेतै।
कथिलेत उसब अहाँके पबितर जनसब आ अगमबक्तासबके लहु बहेनेछै तब ओकरासबके अहाँ लहुवे पियैले देलियै। ओइसबके अनङ सजाय पाबनाइ उचित छै।”
तब हम उ जनीके परमेस्वरके पबितर जनसब आ येसु खिरिस्टके साक्छी दैबलासबके लहु पिके मातल देखके हम एकदम छक परलियै।
कथिलेत ओकर नियाइ सत आ ठिक छै। पुरे पिरथिबीके आपन बेबिचारसे बिगारैबाली नाम चलल बेबिचारनी जनीके ठिक सजाय देनेछै आ उ आपन सेबकसबके लहुके बदला ओहैसे लेनेछै।”