7 महज स्वरगदुत हमरा कहल्कै, “तु कथिले छक परलिही?” हम तोरा उ जनी आ ओकरा बोकैबला सातटा मुरी आ दसटा सिङ भेल जानबरके रहस बतेबौ।
उ बेबस्था भङ करैबला आपन कामसब भितरे-भितर सुरु कैर लेनेछै। महज ओकरा जे सक्ती पकरने छै, उ सक्ती नै हटैतक ओकरा रोक्ने रहतै।
हमर दहिना हाथमे तोहर देखल यि सात तरासब आ सोनाके डैठके रहस यि चियै, सात तरासब सात मन्डलीके देख-भाल करैबला स्वरगदुतसब आ सातटा डैठ सातटा मन्डलीसब चियै।”
तकरबाद अकासमे औरो एकटा अचमके चेन्हा देखा परलै, ओकर सातटा मुर आ दसटा सिङ भेल्हा एकटा बरका लाल अजेगर छेलै। ओकर सातटा मुरमे सातटा मुकुट रहै।
तु जे जानबर देखलिही उ एक समयमे जिबित छेलै महज अखुन मरल छै। उ गैहर खाइदसे बाहर निकैलके एतै आ नासमे जेतै। सन्सारके सिरिस्टी हैसे पहिने जकर नाम जिबनके किताबमे लिखल नै छै, उसब उ जानबरके देखके छक परतै, कथिलेत एक समयमे उ जिबित छेलै अखुन मरल छै। महज उ पाछे फेरसे जिबित हेतै।
तकरबाद हम स्वरगसे बरका अधिकार भेल एकटा दोसर स्वरगदुतके निचा आबैत देखलियै। ओकर चमकसे पुरे पिरथिबी इजोत भेलै।