4 उ जनी बैजनी आ लाल रङके बस्तर लगाइने छेलै आ सोना, बहुमुल्य रत्न आ मोतिसबके गहना-गुरियासे सिङगारल छेलै। ओकर हाथमे सोनाके एकटा बाटी छेलै आ ओइमे बेबिचारके घिनलागैबला असुध चिजसबसे भरल छेलै।
तकरबाद दोसर स्वरगदुत आइबके अनङ कहल्कै, “ओकर सब नास भेलै! महान सहर बेबिलोन नास भेलै। कथिलेत उ सहर आपन बेबिचारके मधसे जाती जातीके लोकसबके पियैले लगेल्कै।”
ओकरासबके सोना, चानी, रत्न, मोती, मलमलके बस्तर, बैजनी बस्तर, रेस्मी आ चमकदार लाल रङके बस्तर आ सब किसिमके गमकौवा काठ, हाथीके दातसे बनल चिजसब, निकोसे निक काठ आ कसा, लोहा आ संगमरमरके चिजसब नै किन्तै।
कहतै, “धिक्कार, धिक्कार, हे महानगरी, मलमलके असल बस्तर, बैजनी आ चमकदार लाल बस्तर लग्याके सोना, बहुमुल्य रत्न आ मोतिके गहनासे सिङारल छेलै।
कथिलेत ओकर नियाइ सत आ ठिक छै। पुरे पिरथिबीके आपन बेबिचारसे बिगारैबाली नाम चलल बेबिचारनी जनीके ठिक सजाय देनेछै आ उ आपन सेबकसबके लहुके बदला ओहैसे लेनेछै।”
ओते बारह केबार बारह मोतिके छेलै। हरेक केबार एक-एक मोतिसे बनल छेलै। ओइ सहरके सरक चमकदार सिसा जखा निखुर सोनाके छेलै।
उसब हतिया करैसे, जादु-टोना करैसे, बेबिचार करैसे आ चोरि-चकारी करैसे मन नै फिराइल्कै।