9 लोकसब सुरुजके टहटह रौदसे डहलै आ यि दुख-कस्टसे उसब परमेस्वरके नामके धिक्कारल्कै महज उसब आपन पापसे पस्चताप करैले आ ओकरा महिमा दैले इन्कार करल्कै।
हम तोरासबके कहैचियौ, नै! महज तुसब आपन पाप माइनके पस्चाताव नै करबिही त ओहिनङके तोहेसब नास हेब्ही।
हम तोरासबके कहैचियौ, नै! महज तुसब आपन पाप माइनके पस्चाताव नै करबिही त ओहिना तुहुसब नास हेब्ही।”
तोरासबके भेटैले फेर एबौ त परमेस्वर हमरा तोरासबके अगा निच बनाइतै कैहके हमरा डर लागैछै। जेसब पहिने पाप करने छेलै आ तोरासब आपनेसे करल असुध काम, बेबिचार, घिनलागैबला छाडा कामसे पस्चताप नै करनेचिही त हमरा निच बनैले परतै।
तखुन्ते एकटा बरका भुमकौन गेलै आ सहरके दस भाग खैसपरलै। उ भुमकौनसे सात हजार लोक मरलै। बाकी बचलहासब डरसे स्वरगके परमेस्वरके महिमा करल्कै।
उ बरका अबाजमे कहल्कै, “परमेस्वरके डर मान आ ओकर महिमा कर, कथिलेत ओकर नियाय करैबला समय आइबगेल छै। स्वरग, पिरथिबी, समुन्दर आ पानीके भवसब बनाबैबला परमेस्वरके आराधना कर।”
अकाससे चालिस-चालिस किलोके पथल लोकसब उपर बरसैले लाग्लै आ लोकसब पथलके बिपतीके कारन परमेस्वरके सरापे लाग्लै कथिलेत उ बिपत एकदम भयानक छेलै।
हम ओकरा पस्चाताप करैले समय देलियै महज उ आपन बेबिचारसे पस्चाताप करैले इन्कार करल्कै।
उ बिपतसे बचलहा लोकसब आपन हाथके कामसबसे पस्चाताप नै करल्कै। उसब भुत-परेतसबके, देखैले नै सकैबला, सुनैले नै सकैबला आ चलै-फिरै नै सकैबला सोना, चानी, काँस, पथल आ काठके मुरतीसबके पुजैलै नै छोरल्कै।