7 तकरबाद हम बेदीलगसे एकटा एहेन अबाज सुनलियै, “हे सरबसक्तिमान परभु परमेस्वर, अहाँके नियाइ ठिक आ सत छै!”
सरबसक्तिमान परभु परमेस्वर कहैछै, “सुरु आ अन्त हम्ही चियै।” हम उहे चियै, जे छै, जे छेलै आ जे एतै।
यदि कोनो लोक कैदके लेल छै त ओकरा कैद कैरके ल्याजेतै आ कोनो लोकके तरबारसे मारैके छै त उ साँचोके तरबारेसे मारल जेतै। तैल्याके परमेस्वरके लोकसबमे सहैके सक्ती आ बिस्बास हेबेपरतै।
तकरा परमेस्वरके करोधके बाटीमे बिना मिलाबटके तयार करल परमेस्वरके करोधके करा दाखमध पियैले परतै। उसब पबितर स्वरगदुतसब आ थुमाके अगा आइग आ गन्धकमे कस्ट भोग्तै।
तब बेदीसे दोसर स्वरगदुत एलै, जकरा आइग उपर अधिकार देलगेल छेलै। तब उ चोख हसुवा लैबला स्वरगदुतके जोरसे अनङ कहल्कै, “तोहर चोख हसुवा चला आ पिरथिबीमे भेल अङगुरके झोखासब जम्मा कर, कथिलेकी पिरथिबीके सब अङगुर पाइकगेलछै।”
कथिलेत ओकर नियाइ सत आ ठिक छै। पुरे पिरथिबीके आपन बेबिचारसे बिगारैबाली नाम चलल बेबिचारनी जनीके ठिक सजाय देनेछै आ उ आपन सेबकसबके लहुके बदला ओहैसे लेनेछै।”
तकरबाद थुमा पाँचम लाहटके तोरल्कै, तब बेदीके निचा हम ओइसबके आत्मासबके देखलियै, जकरा परमेस्वरके बचन सुनेलाके खातिर आ ओकर बारेमे गबाही देलाके खतिर काइटके मुवाइने छेलै।