18 अइठाम बुइधके आबसेक छै, जकरा सोचैके सक्ति छै, उ ओइ जानबरके सङख्या जोरे कथिलेत उ एकटा लोकके नामके सङख्या चियै आ उ सङख्या ६६६ चियै।
“जब तुसब बिनास करैबला घिरनित चिज जै ठाममे नै हैकेचाही से ठाममे ठारभेल देखबिही (परहैबलासब बुझे), तब यहुदियामे रहैबला लोकसब पहारदिसन भागे।
महज कतहेक लोकसबके बिचारमे, हम यहुदीसबके करल पापसे परमेस्वर औरो बेसी धरमी देखाइछै त हम कथि करबै? कि लोकसबके दन्ड देनाइ परमेस्वरके गल्ती छेलै त?
उ धैनके चियै, जे अगमबानीके यि बचनसब जोरसे अबाज निकालके परहैछै, सुनैछै आ ओइमे लिखल बातके पालन करैछै, कथिलेकी यि बात पुरा हैबला समय लगचियागेलछै।
हम आइगसङे मिलल सिसाके समुन्दर जखा देखलियै। ओते जानबर, ओकर मुरतिमे आ ओकर नामके सङख्यामे बिजय पाबैबला लोकसब छेलै। उसब आपन हाथमे परमेस्वरके देल बिना लके सिसाके समुन्दरके कातमे ठारभेल छेलै।
यि बातसब बुझैले ग्यान आ बुइध चाही। उ सातटा मुरीके मतलब सात पहार चियै, जैमे उ जनी बैठलछै।
तकरबाद स्वरगदुत उ दबाल नापल्कै आ लोकके परयोग करल नाप अनुसार उ एकसय चौबालिस हाथ छेलै।