जाती जातीके लोकसब करोधसे भरलछै, महज आब अहाँके आपन करोध देखाबैबला समय एलछै, मरलहासबके नियाय करैबला समय एलछै आ अहाँके सेबकसब, अगमबक्तासब आ पबितर जनसब आ अहाँके डर मानैबला छोट-बरका सबके इनाम दैबला समय आ पिरथिबीके बिनास करैबलासबके नास करैके समय एलछै।”
अहैलेल तु जे सिक्छा सुनने आ सिखनेचिही ओकरा याद कर। उ बातमे लागल रह आ पापसे पस्चाताप कैरके मन परिबरतन कर। यदि तुसब जागल नै रहबिही त, हम चोर एल जखा सुटुकसे एबौ आ हम कोन घरी एबौ से तु थाह नै पाबबिही।