लोकसबके हिसाबसे कहैचियौ त, एफिसस सहरमे हम जङली जानबरसब जखा लोकसबसङे लराइ कैरके हमरा कि फैदा भेलै? यदि मरल लोक जीके नै उठैछै त “खो आ पि, कथिलेत हमसब त काइल मैर जेबै।”
हमर दहिना हाथमे तोहर देखल यि सात तरासब आ सोनाके डैठके रहस यि चियै, सात तरासब सात मन्डलीके देख-भाल करैबला स्वरगदुतसब आ सातटा डैठ सातटा मन्डलीसब चियै।”
एसिया परदेसमे भेल सातटा मन्डलीसबके युहन्नाके गोरलगी, परमेस्वर जे छै, जे छेलै आ जे एतै आ ओकर सिंहासनके अगा रहैबला सातटा परमेस्वरके आत्मासे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
“फिलाडेल्फियाके मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख, ‘उ जे पबितर आ सत छै, जकर हाथमे दाउदके कुजी छै आ जकर खोलल केबार कोइ नै बन्द करैले सक्तै या बन्द करल केबार कोइ नै खोलैले सक्तै।