8 तोरा कथि करैके चाही, से आग्या दैकेलेल खिरिस्टमे हमरा साहस रहलो परभी,
परभुके देल हमरासबके अधिकारके बारेमे हम बरका बरका बात करबै तैयो लाजमे नै परबै, कथिलेकी यि अधिकार तोरासबके बिगार करैके लेल नै महज सुधारके लेल चियै।
हमरा ओइसबके जखा बेबहार करैले लाज हैये से बात हमर कमजोरी चियै कैहके सुइकारै चियै। महज कोनो लोक कुछ बातमे घमन्ड करैछै त, हम्हु ओइ बातमे घमन्ड करैचियै। हँ हम मुरुख जखा बोइलरहल चियै।
हमरासबके एहेन आसा भेलाके कारन हमसब एकदम साहसी भेलचियै।
निरलज, मुरुख आ खराब बचनसब तोरासबके मुहसे नै निक्ले, यि बात ठिक नै चियै। बरु अकर बदलामे त परमेस्वरके धन्यबाद दैबला काम हेबे।
तोरासबलग आबैसे पहिने हमसब फिलिप्पी सहरमे कनङके दुख भोगलियै आ अपमानित भेलियै से तोरासबके थाहे छौ। तैयो बहौत गोरा बिरोधी रहितोपरभी परमेस्वरमे साहस कैरके हमसब तोरासबके सुसमाचार सुनेलियौ।
हमसब लोकसबसे आदर नै खोजलियै, नै त तोरासबसे आ नै आन गोरासे। हमसब खिरिस्टके परेरित भेलाके कारन तुसब हमरासबके आदर कर कैहके कहेसक्तीयौ।