4 जब-जब हम आपन परथनामे तोरा याद करैचियौ तब-तब परमेस्वरके हरदम धन्यबाद दैचियै।
सबसे पहिने, तोरासबके लेल येसु खिरिस्ट दुवारा हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेकी खिरिस्टमे करल तोरासबके बिस्बासके बारेमे सारा दुनियामे फैललछै।
हम परमेस्वरके हरदम धन्यबाद चरहाइचियै। हमर परथनामे तोरासबके सम्झैत रहैचियौ।
जब हम तोरासबके याद करैचियौ तब हम आपन परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै।
हमसब तोरासबके खातिर परथना करैतखिना अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिता परमेस्वरके हरदम धन्यबाद चरहाइचियै।
तोरा सबगोराके लेल हमसब परमेस्वरमे सबदिन परथनामे याद करैत धन्यबाद दैचियै।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।
हम तोरा आपन परथनामे याद करैचियौ आ हम हरदम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै। जनङ हमर पुरखासब परमेस्वरके सेबा-टहल करने छेलै, तैहनङ हम्हु सुध बिबेकसे करैचियै।
कथिलेकी परभु येसुमे करल तोहर बिस्बासके बिसयमे आ परमेस्वरके जनसबमे करल तोहर परेमके बारेमे हम सुनैतरहैचियौ।