14 महज तोहर अनुमती बिना हमरा अनङ करैले निक नै लागल कथिलेकी तु करकापमे नै महज आपने इक्छासे सहायता कर कैहके हम चाहैचियै।
यदि यि काम हम आपन इक्छासे करैचियै त, हम आपन इनाम पाबतियै। महज परमेस्वर हमरा यि कामके जिम्मेबारी देलाके कारनसे हम आपन करतब समैझके यि काम पुरा करैचियै।
आपने खचरमे के सिपाहीके काम करैछै? के अङगुर खेती लग्याके ओकर फल खाइले नै पाबैछै? के गाइ-माल पाइलके ओकर दुध पियैले नै पाबैछै?
हमसब तोरासबके बिस्बासमे अधिकार जमाइले नै चाहैचियौ, बरु तोरासबके खुसिके लेल तोरेसबसे मिलके काम करैले चाहैचियौ। कथिलेकी तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर चिही।
यदि तोरासबके दैके इक्छा छौ त, तोरासबसङे जे छौ, ओहैमेसे देल परमेस्वर सुइकार करैछै, महज तोरासबसङे नै भेल चिज परमेस्वर नै माङैछै।
ओहैसे तोरासबके परतिग्या करल भेटीके बन्दोबस कैरके राखैके लेल हम जाइसे पहिने यि भाइसबके तोरासबलग पठेनाइ असल हेतै कैहके आबसेक ठानलियै। उ भेटी करकापसे नै महज आपन राजिखुसिके भेटी हेबे।
ओहैसे हरेक लोक आपन मनमे सङकल्प करल बमौजी देबे। मन दुख्याके यात करकापसे नै दहै, कथिलेकी खुसिसे दैबलाके परमेस्वर परेम करैछै।