13 ओकरा हम आपनसङे राखैले पाबतियै त असल हेतियै, कथिलेकी सुसमाचारके कारन हम जहलमे रहैबखत तोहर ठाउमे उ हमरा मदत करैले सकतियै।
स्तिफनास, फोरटुनाटस आ अखाइकस एलासे हम बहौत खुस भेलियै, कथिलेकी तोरासबके अनुपस्थितीमे जे कुछ कमि छेलै उसब पुरा कैरदेल्कै।
तैखातिर हम पावल, तु गैर-यहुदीसबके खातिर खिरिस्ट येसुके सुसमाचार सुनाइबला काम करैबखत जहलमे परलचियै।
ओहैसे हम परभुके सेबा करैबला कैदी, तोरासबके बिन्ती करैचियौ, कि जे बोलाबटमे परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ तै अनुसारके जिबन बिता।
तोरासबके हम आपन हिरदयमे राखनेचियौ। तोरासबके बारेमे अनङ करनाइ हमरा ठिक लाग्लै कथिलेकी हम जहलमे रहैबेर आ बाहरमे रहैबेर सुसमाचार परचार आ अकरा जोगाइबला काममे परमेस्वरके देल अनुगरहमे तुसब हमरसङे सहभागी भेलचिही।
कथिलेकी उ खिरिस्टके काम करैके लेल मिरतुके मुहमे परल छेलै। तुसब हमर लेल पुरा करैले नै सकल सेबा उ पुरा करल्कै।
हम पावल, येसु खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार कैरके जहलमे परल आ अपनासबके बिस्बासी भाइ तिमोथीयोके तरफसे अपनेसबके जखा काम करैबला पिरिय फिलेमोनके लेल,
ओनेसिमसके लेल तोरा बिन्ती करैचियौ। उ खिरिस्टमे हमर बेटा चियै, कथिलेकी हम जहलमे परल बखत ओकर आत्मिकी बाबु भेलचियै।
ओनेसिमस, जे हमर हिरदयके टुकरा चियै, हम ओकरा फेनसे तोहर लग पठारहल चियौ।