11 उ तोहर लेल पहिने काम नै लागैबला भेल छेलौ महज अखुन उ तोहर आ हमर दुनुगोराके लेल काम लागैबला लोक भेलछै।
यि बेकम्मा नोकरके बाहर अन्हारमे फेक दहै, जते लोक कानैछै आ दाँत किटकिटाबैछै।’”
कथिलेत यि हमर बेटा मरल छेलै, फेनो जियल छै, हराएल छेलै आ भेटलै।’ तब सबकोइ भोजमे खुसी मनाइले लाग्लै।
महज अपनासबके खुसी हेबैये परतै, कथिलेत तोहर यि भाइ मरल जखा छेलौ, जियल छौ, हर्याल छेलौ, भेटलौ।’”
तैहनङे तोरासबके अरहयाल सबकाम कैरलेलाके बाद कह, ‘हमसब नालायक नोकर चियौ, हमसब त आपन करतब मातरे पालन करैचियै।’”
सबलोक परमेस्वरके रस्तासे भटैकके दुर चैलगेलछै, सबलोक काम नै लागैबला भेलछै। भलाइ करेबला कोइ नै छै, एकोटा नै छै।”
हमरसङे त अखुन लुका मातरे छै। मरकुसके तु आपनसङे लेने आबिहे, कथिलेत उ हमर सेबाके काममे बहौत सहायता करतै।
ओनेसिमसके लेल तोरा बिन्ती करैचियौ। उ खिरिस्टमे हमर बेटा चियै, कथिलेकी हम जहलमे परल बखत ओकर आत्मिकी बाबु भेलचियै।
ओनेसिमस, जे हमर हिरदयके टुकरा चियै, हम ओकरा फेनसे तोहर लग पठारहल चियौ।
पहिने त तुसब परमेस्वरके जन नै छेल्ही, महज अखुन परमेस्वरके जन भेलचिही। पहिने तुसब परमेस्वरके दया नै पाबनेछेल्ही, महज अखुन तुसब परमेस्वरके दया पाबनेचिही।