10 ओनेसिमसके लेल तोरा बिन्ती करैचियौ। उ खिरिस्टमे हमर बेटा चियै, कथिलेकी हम जहलमे परल बखत ओकर आत्मिकी बाबु भेलचियै।
एक गोरे भिरसे येसुके कहल्कै, “गुरु जी, हम आपन बेटाके अहाँ लग आन्ने चियै, अकरा बौक बनाइबला भुत आत्मा लागल छै।
तैल्याके हे भाइ-भैयासब, परमेस्वरके दयाके धियानमे राइखके हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ, तुसब आत्मिक आराधनाके रुपमे आपन-आपन देहके पबितर आ परमेस्वरके मनपरैबला जिबित बलीके रुपमे चरहा। ओकर आराधना करैबला सहि तरिका एह्या चियै।
हम तोरासबके लाजमे पारैके लेल नै, महज हमर पिरिय बालकसब जखा चेताबनी दैले यि बात लिखैचियौ।
तोरासबके खिरिस्ट येसुके बारेमे सिखाइबला दसो हजार गुरुसब भेलोपर पिता त बहुत नै छौ। महज सुसमाचार परचार कैरके खिरिस्ट येसुमे हम तोरासबके पिता भेलचियौ।
हमर धियापुतासब, तोरासबमे जाबे तलिक खिरिस्टके स्वभाब नै बन्तौ ताबे तलिक हम फेनो जलमासोचके पिरा जखा दुख सहैत रहबौ।
ओकरसङे ओनेसिमस सेहो आइबरहलछौ जे तोरेसबमेसे एकटा बिस्बासी आ पिरिय चियौ। उ दुनुगोरा अतेका सब हालखबर तोरासबके सुनाइतौ।
बिस्बासमे हमर साँचोके बेटा तिमोथीके चिठी लिखरहलचियै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती मिले।
तितस, हमे तोरा यि चिठी लिखैचियौ। साँचोके तु हमर आपने बेटा जखा चिही कथिलेकी तोहर आ हमर बिस्बास एके चियौ। परमेस्वर पिता आ अपनासबके मुक्तीदैबला येसु खिरिस्ट तोरा अनुगरह आ सान्ती देबे।
उ तोहर लेल पहिने काम नै लागैबला भेल छेलौ महज अखुन उ तोहर आ हमर दुनुगोराके लेल काम लागैबला लोक भेलछै।
ओकरा हम आपनसङे राखैले पाबतियै त असल हेतियै, कथिलेकी सुसमाचारके कारन हम जहलमे रहैबखत तोहर ठाउमे उ हमरा मदत करैले सकतियै।
हमर बेटा-बेटीसब सतके रस्तामे चलैछै कैहके सुन्नाइसे बरका आनन्द हमर लेल औरो कथी हेतै?