47 तहिनङे यदी तोहर आँख पाप करैले लगाइछौ त ओकरा निकालके फेकदहै। दुनु आँख ल्याके नरकमे जाइसे त बरु आन्हर भ्याके स्वरगमे परबेस करनाइ उचित छै।
यदी तोहर आँख पाप करैले लगाइछौ त ओकरा निकालके फेकदहै। दुनु आँख ल्याके नरकके आइगमे जाइसे त बरु अन्हर भ्याके अनन्त जिबनमे परबेस करनाइ उचित छै।”
महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ आपन भाइसे करोध करैछै, उ सजायके भागिदार हेतै, जे कोइ आपन भाइके अपमान करैछै, ओकरा धारमिक महासभामे जबाब देबे परतै। महज जे कोइ आपन भाइके सराप दैछै, उ नरकके आइगमे खसै जोकरके हेतै।
यदी तोहर हाथ पाप करैले लगाइछौ त ओकरा काइटके फेकदहै। दुनु हाथ ल्याके नरकके नै बुताइबला आइगमे जाइसे त बरु लुल्हा भ्याके स्वरगमे परबेस करनाइ उचित छै।
[नरकमे नै त किरा मरैछै नै त आइग बुताइछै।]
“हमर पछा आबैबला आपन माँ-बाबु, घरबाली, बेटा-बेटी, भैया-भाइ, दिदी-बहिनसबके आ आपन परानके हमरसे बेसी परेम करैछै त, उ हमर चेला नै बने सक्तै।
येसु निकोदेमसके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक फेनोसे लोक नया कैरके जलम नै लेतै ताबे तक उ परमेस्वरके राज देखे नै सक्तै।”
तब येसु ओकरा जबाब देल्कै, “हम तोरा साँचोके कहैचियौ, जाबेतक कोइ पानी आ आत्मासे जलम नै लेतै ताबेतक परमेस्वरके राजमे परबेस करैले नै सक्तै।
ओइ बखत तुसब कतहेक खुसी छेल्ही, यदि मिलतियौ त ओइ बखत तुसब आपन आँखो निकाइलके हमरा देबे परतियौ त दैले तैयार हेत्ही। हम अकर गबाही चियौ। महज अखुन कथी भेलौ?