37 “जे कोइ एहेन यि छोट बच्चाके हमर नाममे सुइकार करतै, उ हमरा सुइकार करतै आ जे कोइ हमरा सुइकार करतै, उ हमरा मातरे नै महज हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै।”
“होसियार रह, यि छोट बच्चासबमेसे ककरो तुसब निच नै समझ। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, उसबके देखभाल करैबला स्वरगदुतसब स्वरगमे रहैबला हमर पिताके अगामे रहैछै।
तैपर रजा ओइसबके जबाफ देतै, ‘साँचे हम तोरासबके कहैचियौ कि, जे कुछो तुसब यि भाइसबमेसे सबसे छोटके लेल करलिही, उ हमरे करलिही।’
तब उ एकटा छोट बच्चा ल्याके उसबके बिचमे राखल्कै आ ओकरा कन्हामे ल्याके कहल्कै,
“जे तोरासबके बातसब मान्तौ, उ हमरो बातसब मान्तै आ जे तोरासबके इन्कार करतौ, उ हमरो इन्कार करतै आ जे हमरा इन्कार करतै, उ हमरा पठाइबलाके इन्कार करतै।”
आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
पिता आ हम एके चियै।”
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे हमर पठेल्हा लोकके सुइकार करैछै, उ हमरा सुइकार करैछै आ जे हमरा सुइकार करैछै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करैछै।”
ताकि सबकोइ बेटाके आदर करे, जनङ उसब पिताके आदर करैछै। जे कोइ बेटाके आदर नै करैछै, उ लोक बेटाके पठाइबला पितोके आदर नै करैछै।
अहैलेल यि सिक्छाके इन्कार करैबला लोकके नै, महज परमेस्वरके इन्कार करैछै, जे परमेस्वर आपन पबितर आत्मा तोरासबके देने छौ।