29 येसु जबाफ देल्कै, “एहेन परकारके भुत आत्मा परथनासे मातरे निकाइल सकैचियै।”
तब उ ज्याके आपनोसे खराब औरो सातटा भुत आत्मासबके आइनके भितर ढुइके ओतै बास करैछै। तब ओइ लोकके दसा पहिन्कोसे औरो खराब हैछै। यि दुस्ट पुस्ताके हालत ओहिनङे हेतै।”
येसु उसबके जबाफ देल्कै, “तोरासबके बिस्बासमे कमि भेलाके कारन अनङ भेलै। साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी तोरासबमे रायके बिया बराबर बिस्बास रहतौ त यि पहारके ‘अतसे हैट जो’ कहबिही त हैटजेतौ आ तोरासबके लेल कोनो चिज असम्भब नै हेतौ।
[महज एहेन किसिमके भुत आत्मा परथना आ उपाससे मातरे निकाले सकैछै।]”
जब येसु घर भितर गेलै तब ओकर चेलासब असगरेमे ओकरा पुछल्कै, “कथिले हमसब ओइ भुत आत्माके निकालैले नै सकलियै?”
तब येसु आपन चेलासबसङे ओइठामसे निकैलके गालिल परदेस हैतगेलै। उसब कते छै, से कोइ नै थाह पाबे ओकर इक्छा छेलै।
तब उ फेनो ज्याके आपनोसे खराब सातटा भुतआत्मासबके सङे लाबैछै, उसब भितरमे बास करे लागैछै। तब ओइ लोकके दसा पहिन्कोसे खराब हैछै।”
जब उसब ओइसबके सब मन्डलीमे रेखदेख करैबलासब नियुक्त करल्कै, तब परथना आ उपासे रैहके आपन बिस्बास करल परभुमे ओइसबके सोइप देल्कै।
हम आपन देहके बसमे राखैके लेल तालिम द्याके खेलारी जखा अनुसासनमे राखैचियै। नै त औरोके परचार करलाके बाद हम आपने अयोग्य ठहरबै।
हम कतहेक रात नै सुइतके खुब मेहनत करलियै। हम बहौत बेर खाना बिना भुखे पियासे रहलियै आ बस्तर नै भेलासे जारसे कठुवाइलियै।
हमर देहसे यि हट्या दिय कहैके हम तिन बेर परभुसे परथना करलियै।
हमसब पिटाइ खेने चियै, जहलमे परल चियै, हुलदङ्गामे परलचियै। एकदमसे मेहनत करैचियै, सुतैयोले नै पाबनेचियै आ भुखे पियासेमे परल चियै।
तुसब पबितर आत्माके सक्तीमे हर बखत परमेस्वरसे परथना कर। होसियार आ लगनसिल भ्याके हरदम खिरिस्टके पबितर जनसबके खातिर परथना करैतरह।
बिस्बास साथ करल परथनासे बिमारी निक हेतै तब परभु ओकरा निक कैरदेतै। उ लोक पाप करने रहतै तैयो छमा पाबतै।