28 जब येसु घर भितर गेलै तब ओकर चेलासब असगरेमे ओकरा पुछल्कै, “कथिले हमसब ओइ भुत आत्माके निकालैले नै सकलियै?”
तब चेलासब आइबके येसुसे पुछल्कै, “अहाँ लोकसबसङे कथिले खिसामे बात करैचियै?”
तकरबाद येसु भिर लागल लोकसबके छोइरके घरमे चैलगेलै। चेलासब ओकरलग आइबके कहल्कै, “हमरासबके झरके खिसाके अरथ बुझादिय।”
तकरबाद पतरुस येसुके कहल्कै, “अहाँ असुध करैके बारेमे कहलहा बात हमरासबके बुझादिय।”
कन्हिक दिन बाद येसु कफरनहुम सहरमे घुइमके एलै। उ घरेमे छै कैहके लोकसब सुनल्कै।
तकरबाद येसु घर दिसन गेलै। तब फेनो अतहेक लोकसबके भिर जम्मा कि येसु आ ओकर चेलासबके खाइओ तक फुरसत नै पाबल्कै।
जब येसु असगरे भेलै, तब बारह गोरा चेलासब आ ओकर अगल-बगलमे भेल लोकसब ओकरा खिसाके बारेमे पुछल्कै।
बिना खिसासे येसु ओकरासबसङे नै बोल्लै, महज आपन चेलासबके परोछमे सबके अरथ खोइल देल्कै।
ओइ लोकसबके छोइरके येसु घर भितर गेलै आ चेलासब यि बातके अरथ कथी चियै से पुछल्कै।
महज येसु ओकर हाथ पकैरके उठेल्कै तब उ खुरखुर्याके उठलै।
येसु जबाफ देल्कै, “एहेन परकारके भुत आत्मा परथनासे मातरे निकाइल सकैचियै।”