19 तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “ए थेथर पुस्ता, कहियातक हम तोरासबके बिचमे रहबौ? कहियातक बिस्बासमे कमजोरे रहबिही? तोहर बेटाके हमरलग आन।”
तब येसु जबाफ देल्कै, “ऐ बिस्बास नै करैबला आ दुस्ट पुस्ता, हम कहियातक तोरासबके सङे रहबौ? कहियातक तोरासबके कमजोर बिस्बासके सहैत रहबौ? ओकरा अते हमरलग आन।”
अन्तमे जब एगारहो चेलासब बैठके खान-पिन करैतरहै तहै बखत येसु ओइसबके बिचमे परगट भेलै। उसबके अबिस्बास आ कठोर हिरदयके कारन येसु उसबके खिस्याइल्कै। कथिलेत उ मरके जिबित भ्याल ओकरा देखैबला सबके बातमे उसब बिस्बास नै करने रहै।
जब भुत आत्मा अकरा लागैछै तब ओकरा जमिनमे खस्या दैछै, मुहसे लेरपोंटा चुवाबैछै आ दात किटकिटाइछै आ देह ठिठैङ जाइछै। ओइ भुत आत्माके निकाइल दिय कैहके हम अहाँके चेलासबके बिन्ती करलियै महज उसब नै सकलक।”
उसब ओकरा येसु लग आनल्कै। भुत आत्माके देख्ते मातर थरथराके भुइयामे खैसपरलै आ मुहसे लेरपोंटा चुबाइत छरपटाइले लाग्लै।
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “तुसब केहन मुरुख लोकसब चिही, तोरासबके हिरदय अतहेक मोट भ्यागेल्छौ, कि अगमबक्तो सबके कहलहा बातके बिस्बास नै करैचिही?
तब येसु जबाफ देल्कै, “ऐ बिस्बास नै करैबला आ थेथर पुस्ता, हम कहियातक तोरासबसङे रहबौ आ तोरासबके कतेक दिनतक सहैत रहबौ? तोहर बेटाके अते आन।”
“आब हमर मन बेचैन भेल छै, हम कथी कहु? कि हम यि कहबै ‘हे परमेस्वर पिता, आबैबला दुखसे हमरा बचाबु’? नै, एह्या कारनसे हम अइ समयतक आइबगेलियै।
तब येसु थोमाके कहल्कै, “तोहर औङरी अते राख आ हमर हाथ देख। हमर कोइखमे आपन हाथ ढुका। तु सङका नै कर बरु बिस्बास कर।”