15 भिरके लोकसब येसुके देखते मातर छक परलै आ ओकरलग दौरके ज्याके गोरलगी करल्कै।
तब पतरुस, याकुब आ युहन्नाके येसु आपनसङे ल्याके गेलै, ओकर मन एकदम चिन्तासे बिचलित हेबे लाग्लै।
उसब जब चिहान भितर ढुक्लै तब ओते एकटा उजर बस्तर पिन्हलहा लोकके देहना कातमे बैठल देखल्कै आ उसब एकदमसे डेरागेलै।
महज उ लोक ओकरासबके कहल्कै, “नै डेरा! तुसब कुरूस पर लटक्याल नासरतके येसुके खोजैचिही नै? उ त जिके उठल छौ आ अते नै छौ। ओकरा राखल ठाममे देख!
येसु आपन चेलासबके पुछल्कै, “कथिके बारेमे तुसब ओकरासबसङे बहस करैचिही?”
जब भिरके येसु आपन दिसन आबैत देखल्कै तब ओइ भुत आत्माके कहल्कै, “ए बौक आ बैहर करैबला आत्मा, हम तोरा आग्या करैचियौ ओकरसे निकैलके चैल जो आ फेनो ओकरमे कहियो नै ढुक।”