9 ओते चार हजार खाइबला लोकसब छेलै। तकरबाद येसु ओकरासबके बिदाह करल्कै।
तकरबाद येसु भिर लागल लोकसबके छोइरके घरमे चैलगेलै। चेलासब ओकरलग आइबके कहल्कै, “हमरासबके झरके खिसाके अरथ बुझादिय।”
तब उ तुरन्त आपन चेलासबसङे नाहमे चहैरके दलमनुथा इलाकामे गेलै।
सबकोइ अग्हा अग्हाके खेल्कै आ उगरल रोटीके टुकरा-टाकरीसब सात चङेरा भरल्कै।
येसु बारहो चेलासबके कातमे लेजाके कहल्कै, “सुन, आब अपनासब यरुसलेम ज्यारहल चियै। अगमबक्तासब मानबके बेटाके बारेमे लिखलाहा सबबातसब ओतै पुरा हेतौ।