34 तब येसु आपन चेलासबके साथमे एल भिरके कहल्कै, “कोइ हमर पछा आबैले चाहैछै त उ आपन मनके मारौक आ आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागे।
आ जे कोइ आपन कुरूस बोइकके हमर पछा नै लाग्तै सेहो हमर योग्य नै हेतै।
तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “अदी जे कोइ हमर चेला बनैले चाहैछै त, उ आपन मनके मारौक आ आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागौक।
जाइते जाइते सिपाहीसबके कुरेनी निबासी सिमोन नाम भेल्हा लोक भेटलै आ उसब येसुके कुरूस ओकरा जबरजस्ती बोकैले लगाइल्कै।
तब येसु ओकर दिसन ताइकके परेमसे कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहरसङे भेल्हा सब धन-सम्पती बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन भेटतौ आ हमर पछा लाग।”
येसु फेनो लोकसबके बोल्याके कहल्कै, “तुसब सबकोइ हमर बात सुन आ बुझ।
“सकेत केबारसे ढुकैले आपन पुरा बल लगा। कथिलेत, हम तोरासबके कहैचियौ, बहुत लोकसब ढुकैले चाहतै, महज ढुके नै सक्तै।
तै खातिर तोरासबमेसे जे हमर लेल आपनसङे भेल्हा सबचिज नै छोरतै त, हमर चेला बने नै सक्तै।”
यि बात सुइनके येसु ओकरा कहल्कै, “तोहरमे एकटा औरो चिजके कमि छौ। तोहर सङे भेल्हा सब धन-समपैत बेचके गरिबसबके बाइट दहै, तब स्वरगमे तोरा बहुत धन हेतौ आ हमर पछा लाग।”
तब सब लोकसबके सुन्याके येसु आपन चेलासबके कहल्कै,
तब येसु सब लोकसबके कहल्कै, “कोइ हमर पछा आबैले चाहैछै त उ आपन मनके मारौक आ सबदिन आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागे।
हमर भेंरासब हमर बोली सुनैछै। हम ओइसबके चिन्हैचियै आ उसब हमर पछा-पछा आबैछै।
तब येसु आपन कुरूस आपनेसे बोइकके खप्पर कहाइबला पहारमे गेलै, जकरा हिबरु भसामे गलगथा कहैछै।
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
हमसब यि जानैचियै कि अपनासबके पुरन्का स्वभाब ओकरसङे कुरूसमे टाङलगेलछै, ताकी अपनासबके पापी स्वभाब नास हेबे आ आबसे पापके दास नै हेबी।
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै त ओकर हकबला सेहो चियै, परमेस्वरके हकबला आ खिरिस्टसङे सझिया हकबला हेबै। यदि हमसब खिरिस्टसङे दुख-कस्ट भोग्बै त ओकरेसङे आदर-सम्मानमे सेहो सहभागी हेबै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबके कारन परभु येसु खिरिस्टमे हम गर्भसे यि कहैले सकैचियौ, कि हम दिन-दिने मिरतुके खतरामे परैचियै।
तैखातिर हमर खाइबला चिजसे हमर आपने बिस्बासी भाइ नास हैछै त हमर भाइ नास नै हेबे कैहके हम कहियो मासु नै खेबै।
हम लोकसबसे स्वतन्तर चियै तैयो बहुतो गोरेके खिरिस्टमे आनैले सकी कैहके सबके लेल हम आपनेके दास बनेलियै।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
महज उसब, जे खिरिस्ट येसुके चियै, उसब आपन पाप स्वभाबके इक्छा आ ललसा कुरूसमे काटी ठोइकके मारनेछै।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके कुरूस बाहके औरो कोनो चिजमे घमन्ड करैबला बात हमरसे दुरे रहे। ओकर कुरूसके कारन हमर लेल सन्सारके लोभ लालचसब मरल छै आ सन्सारके लेल हम मरल चियै।
हम खिरिस्टके औरो निकसे चिन्हैले आ ओकरा जियाइबला सक्तीके अनुभव करैले चाहैचियै। ओकर जखा दुख सहैले आ मरैयोले इक्छा करैचियै,
महज जतहेक बात हमर लेल लाभदायक छेलै, उ सब हम खिरिस्टके खातिर बेकार मानैचियै।
अखुन हम तोरासबके खातिर दुखो भोइगके खुसी चियौ कथिलेत खिरिस्टके देह अरथात मन्डलीके खातिर बाकी रहल दुख-कस्टसब हम आपन देहमे भोइगके पुरा करैचियौ।
सन्सारमे तुसब आपन देहके इक्छाके मार, जनङ: बेबिचार, अधलाह बात, दुस्ट काम, असुध बिचार आ लोभ जे मुरतिपुजा चियै।
तोरासबमेसे कतहेक गोरा कोढिया छौ कैहके हमसब सुन्ने चियौ। कामके नाममे एकटा सिन्का तक नै तोरैछै, महज आनगोराके काममे लब-लब करैछै।
यि अनुगरहसे अपनासबके परमेस्वरके आदर नै हैबला काम आ सन्सारके लोभ-लालच त्यागैले लगाइछै आ धिरजसे अपने आपके बसमे राखैले, निरदोस हैले आ परमेस्वरके आदर हैबला जिबन जियैले सिखाइछै।
ओहैलेल अपनोसब सहरसे बाहर येसु लग चल आ ओकरे जखा अपनोसब अपमान सह।
खिरिस्ट आपन देहमे दुख भोगल्कै ओहिनङे तुहुसब सेहो ओकरे जखा सोच राख, कथिलेकी जे लोक देहमे दुख भोगनेछै, से पापसे दुर रहैछै।
बरु खिरिस्टके दुख-कस्टमे सहभागी हैले पाबलियै कैहके आनन्द मना। जब उ आपन महिमाके सङे फेनसे एतै, तै बखत तुसब औरो आनन्द मनाइले सके।
कथिलेत हम जानैचियै, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट हमरा साफ-साफ देखादेनेछै कि यि माइटके देह जल्दिए छोइरके जाइले परतै।
खिरिस्टके परेम हमसब जानैचियै कि उ अपनासबके खातिर आपन परान देल्कै। तैल्याके अपनोसबके आपन भाइके लेल आपन परान दैलेपरतै।
तोरा जे कस्ट परेबलाछौ ओइसे नै डरा। तोहर बिस्बास जाँचके लेल सैतान तोरासबमेसे कतेक लोकके जहलमे ढोकतौ। अहिनङ कैरके तोरासबके दस दिनतक कस्ट सहैले परतौ। तु मिरतु तक हमरमे बिस्बास करैले नै छोर। तब हम तोरा जिबनके मुकुट देबौ।’