28 चेलासब कहल्कै, “कोइ बप्तिस्मा दैबला युहन्ना कहैछै, औरोसब एलिया कहैछै आ कोइ-कोइ अगमबक्तासबमेसे एक गोरे चियै कहैछै।”
उ आपन सहजोगिसबके कहल्कै, “यि बप्तिस्मा दैबला युहन्ने चियै! उ फेनो मुरदासे जिके उठल छै। तब त यि एहेन अजगुत-अजगुतके कामसब करैछै।”
उसब जबाफदैत कहल्कै, “कोइ बप्तिस्मा दैबला युहन्ना कहैछै, कोइ एलिया त कोइ यरमिया या अगमबक्तासबमेसे एक गोरे चियै कहैके कहैछै।”
तब उसब ओकरा पुछल्कै, “कि तु एलिया चिही त?” युहन्ना जबाब देल्कै, “नै।” “तब कि तु अगमबक्ता चिही त?” उ जबाफ देल्कै, “नै।”