34 तब स्वरग दिसन ताकैत उ लम्बा साँस ल्याके कहल्कै, “इफाता” अरथात “खुइलजो!”
यि सुइनके येसुके दया लाग्लै आ ओकर उपर आपन हाथ राइखके कहल्कै, “हम चाहैचियौ, तु निक भ्याजो।”
तब येसु तिन बजे दिसन जोरसे अबाज निकाइलके कहल्कै, “इलोइ, इलोइ, लामा सबखथनी” जकर मतलब “हे हमर परमेस्वर, हे हमर परमेस्वर, अहाँ हमरा कथिले छोइर देलियै?”
तब ओइ छौरीके हाथ पकैरके कहल्कै, “तालिता कुमी” जकर अरथ चियै, “ए छौरी, हम तोरा कहैचियौ, उठ।”
तब येसु पाँच रोटी आ दुइ माछ लके स्वरगदिसन ताकैत परमेस्वरसे आसिरबाद माङल्कै आ रोटीके टुकरा टुकरा करल्कै। लोकसबके बाइट दहै कैहके चेलासबके देल्कै। तहिनङे माछोसब बाइट देल्कै।
तखुन्ते ओकर कान सुने लाग्लै, बाक फुटलै आ सुध बोले लाग्लै।
तब येसु दिक मानैत लम्बा साँस लैत कहल्कै, “कथिले अइ पुस्ताके लोकसब चेन्हा खोजैछै? साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, अइ पुस्ताके लोकसबके कोनो चेन्हा नै देलजेतै।”
येसु ओकरा कहल्कै, “तु देखैबला भ्याजो! तोहर बिस्बाससे तु निक भेल्ही।”
जब येसु यरुसलेमके नजदिक पहुचलै तब उ सहरके देखके ओकर मन कलपलै आ कहल्कै,
लगमे ज्याके लहासबला खटिया छुबल्कै, तब बोकैबलासब ठार भ्यागेलै। येसु कहल्कै, “ए जबान, हम तोरा कहैचियौ, उठ!”
जब येसु मरियमके कानैत आ ओकरसङे आबैयोबलाके कानैत देखल्कै, तब उ आत्मामे एकदम दुखित आ बेचैन भ्यागेलै,
येसु कान्लै।
तब येसु फेनो एकदम दुखित भ्याके चिहानके लगमे गेलै। उ चिहान एकटा सोइन छेलै, ओकर मुहमे एकटा बरका पथलसे झापल छेलै।
तब उसब चिहानके मुहमे राखलहा पथल हटाइल्कै। तब येसु उपर दिसन ताइकके कहल्कै, “हे पिता, हम अहाँके धन्यबाद दैचियै, कथिलेत अहाँ हमर बिन्ती सुनलियै।
अतबे कैहके येसु जोरसे कहल्कै, “ए लाजरस, बाहर निकैलके या।”
येसु यि सब बात कहलाके बाद स्वरग दिसन ताइकके कहल्कै, “हे पिता, आब समय आइबगेल छै। अहाँ आपन बेटामे महिमा परकट करु, ताकि बेटो अहाँके महिमा परकट करे।
पतरुस ओकरा कहल्कै, “ऐ एनियास, येसु खिरिस्ट तोरा निक करतौ। उठ आ तोहर बिछान मिला।” तब उ तुरन्ते उइठके ठार भेलै।
तकरबाद पतरुस सबलोकके घरसे बाहर निकालल्कै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करल्कै। तब लहास दिसन घुइमके कहल्कै, “तबिता, उठ!” तब उ आँख उघारल्कै त सामनेमे पतरुसके देखके उइठके बैठलै।
कथिलेत अपनासबके परधान पुजारी अपनासबके दुरबलतामे साथ नै दैबला पुजारी नै चियै। उ अपनेसब जखा सब बातमे परिक्छामे परलै महज तैयो पाप नै करल्कै।