25 ओहै बखत एकटा जनी जकर बेटीके भुत लागल छेलै उ येसुके बारेमे सुनल्कै तब उ आइबके ओकर लाग ठेङहुनिया द्याके बैठलै।
ओहै इलाकाके एकटा कनानी जनी आइबके चिच्याइत कहेलाग्लै, “हे परभु, दाउद राजके बेटा, हमर उपर दया करु। हमर बेटीके भुत एकदम सत्यारहल छै।”
एकटा कोढि-कुस्टी लागल लोक येसु लग एलै आ ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “अहाँ चाहबै त हमरा कोढि-कुस्टीसे निक कैरसकैचियै।”
तखुन उ जनी अपना जे भेल छेलै से थाह पाइबके डरसे थर-थर कापैत येसुके टाङमे निहुकके ओकरा सब बात सत-सत कैहदेल्कै।
तकरबाद येसु ओइ ठामसे टुरोस आ सिदोन सहरके इलाका दिसन गेलै आ कोइगोरे थाह नै पाबे कैहके उ चाहैछेलै। एक गोरेके घरमे ज्याके रहलै। महज उ घोसैरके रहैले नै सक्लै।
उ सिरिया देसके फोनिके इलाकाके एक गिरिक जनी छेलै। उ जनी आपन बेटीसे भुत आत्मा निकाइल दिय कैहके ओकरसे बिन्ती करल्कै।
आ उ येसुके टाङ पकैरके धन्यबाद देल्कै। उ एकटा सामरी छेलै।