52 कथिलेत उसब पाँच हजार लोकके रोटी खियाइने छेलै से घटनाके अरथ सब बुझने नै छेलै आ उसबके हिरदय कठोर भेल छेलै।
अन्तमे जब एगारहो चेलासब बैठके खान-पिन करैतरहै तहै बखत येसु ओइसबके बिचमे परगट भेलै। उसबके अबिस्बास आ कठोर हिरदयके कारन येसु उसबके खिस्याइल्कै। कथिलेत उ मरके जिबित भ्याल ओकरा देखैबला सबके बातमे उसब बिस्बास नै करने रहै।
ओइसबके हिरदयके कठोर बिचार जाइनके दुखीत भेलै आ खिस्याके उ सबके ताकल्कै तब येसु ओइ लोकके कहल्कै, “तोहर हाथ पसार।” उ हाथ पसारल्कै आ ओकर हाथ पहिने जहिनङ छेलै तहिनङ भेलै।
येसु ओकरासबके कहल्कै, “अखुनतक तुसब अबुझेचिही? जे बाहरसे लोक भितरमे ढुकैछै, उ ओकरा असुध नै करैछै से तुसब नै जानैचिही?
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “तुसब केहन मुरुख लोकसब चिही, तोरासबके हिरदय अतहेक मोट भ्यागेल्छौ, कि अगमबक्तो सबके कहलहा बातके बिस्बास नै करैचिही?
“परमेस्वर ओइसबके आँख बन्द कैरदेनेछै आ ओकरासबके हिरदय कठोर बन्यादेनेछै। तैल्याके उसब आपन आँखसे नै देखे आ हिरदयसे नै बुझे, नै त उसब घुइमके एतै आ हम ओइसबके निक करतियै।”
अकर मतलब सब इजराएलीसब परमेस्वरके अगा धरमी हैले चाहतो परभी नै भेलै महज परमेस्वरके छानल कुछ इजराएलीसब मातरे धरमी ठहरलै। औरो बाकी इजराएलीसब कठोर भेलै।