31 येसु ओकरासबके कहल्कै, “अपनासब सुनसान जगहमे एकछिन सुस्थाले।” कथिलेत ओते आबैजाइबला अतहेक लोकसब छेलै कि ओइसबके खाइयोले फुरसत नै हैछेलै।
जब येसु यि बात सुनल्कै तब एकटा नाहमे चहैरके चुप-चाप सुन-सान ठाममे चैलगेलै। महज येसु जाइले लागल छै सुइनके बहुतो लोकसब सहर-सहरसे पैदले चैलके ओकर पछा गेलै।
महज उ लोक बाहर निकैलके गेलै आ अपना निक भेल बात चारुदिसन परचार करे लाग्लै। तैल्याके येसु फेनो उ सहरमे लोकसबके अगा खुलस्त रुपमे आबैले नै सक्लै महज उ सुनसान जगहमे रहेलाग्लै। तैयो लोकसबके भिर चारुदिसनसे ओकरलग एलै।
तकरबाद येसु घर दिसन गेलै। तब फेनो अतहेक लोकसबके भिर जम्मा कि येसु आ ओकर चेलासबके खाइओ तक फुरसत नै पाबल्कै।
तकरबाद येसु आपन चेलासबसङे ताल दिसन गेलै आ गालिलसे लोकसबके बरका भिर ओकर पछा लाग्लै।
तकरबाद येसु गालिल तालके ओइपार गेलै। ओकरा तिबेरियस ताल सेहो कहैछेलै।