14 रजा हेरोद येसुके बारेमे सुनल्कै, कथिलेत ओकर नामके चरचा चारुदिसन फैल गेलछेलै। कोइ कहैछेलै, “बप्तिस्मा दैबला युहन्ना फेनो मरके जिबित भेल छै, तैल्याके ओकरसे एहेन सक्तिसाली कामसब भ्यारहलछै।”
महज उसब ओतेसे निकलैत मातर ओकर सब करल कामके बातसब पुरे इलाकामे फैलादेल्कै।
तब येसुके चरचा चारुदिसन गालिलके इलाकामे फैलगेलै।
महज उ लोक बाहर निकैलके गेलै आ अपना निक भेल बात चारुदिसन परचार करे लाग्लै। तैल्याके येसु फेनो उ सहरमे लोकसबके अगा खुलस्त रुपमे आबैले नै सक्लै महज उ सुनसान जगहमे रहेलाग्लै। तैयो लोकसबके भिर चारुदिसनसे ओकरलग एलै।
चेलासब कहल्कै, “कोइ बप्तिस्मा दैबला युहन्ना कहैछै, औरोसब एलिया कहैछै आ कोइ-कोइ अगमबक्तासबमेसे एक गोरे चियै कहैछै।”
ओहै बखत कुछ फरिसीसब येसु लग आइबके कहल्कै, “अहाँ अइ ठामसे निकैलके चैलजाउ, कथिलेत हेरोद रजा अहाँके मारैले चाहैछै।”
रोमी महराज तिबेरियस राज करला पन्दरह बरिस भेल छेलै। ओइ बखत पन्तियस पिलातस यहुदिया इलाकाके बडा-हाकिम छेलै। हेरोद गालिल इलाकामे राज करैछेलै, ओकर भाइ फिलिप इतुरिया आ तराखोनितिस इलाकामे राज करैछेलै। अबिलेने इलाकामे लुनियास गामके लोक राज करैछेलै।
यि घटनाके खबर सारा यहुदिया आ आसपासके इलाकामे फैलगेलै।
उसब जबाफ देल्कै, “कोइ बप्तिस्मा दैबला युहन्ना कहैछै, कोइ एलिया आ कोइ पहिन्का कोनो अगमबक्तासब मेसे एक गोरे जिके उठल छै कहैछै।”
तोरेसबके केबल माकेडोनिया आ अखैयामे मातरे नै महज परमेस्वरके बचन तोहरसबके बिस्बासके बात सेहो सब ठामसबमे फैलगेलै। अहैलेल अकर बारेमे औरो कुछो कहैके जरुरी नै छै।
परमेस्वर बहुतरा चेन्हासब देखाके बहुत किसिमके आस्चरजके कामसब आ सक्तीसाली कामसब करैत उ आपन इक्छा बमोजिम पबितर आत्माके दान-बरदानसब द्याके यि बातके गबाही देल्कै।