11 यदी कोनो ठाममे मान-दान नै हेतौ आ लोकसब तोरौरके बचन सुनैले इन्कार करतौ त ओइ ठामसे निकलैत खिना ओकरासबके बिरोधमे गबाहीके खातिर आपन टाङके गरदा झाइरदैहिये।”
हम तोरासबके कहैचियौ, जे लोक बिना कामके बोल्तै, नियाइके दिनमे तकरासे एक-एक कैरके लेखा देबेपरतै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “जब कोनो घरमे ढुक्बिही, जाबेतक ओइ गामसे नै निकलबही ताबे तक ओतै रहिये।
महज जतेका लोकसब तोरासबके मान-दान नै करतौ तब ओइ सहरसे निक्लैतकाल तुसब आपन टाङके गरदा झाइरदैहिये। यि ओकरासबके बिरोधके साक्छी हेतै।”
महज यि बात सुइनके उसब पावलके बिरोध आ अपमान करे लाग्लै, तखुन्ते पावल ओइसबके चेताबनीके खातिर आपन बस्तरसे गरदा झारैत कहल्कै, “यदी तोरासबमेसे कोइ नास हेब्ही त आपने दोसके कारन नास हेब्ही तकर दोसी हम नै हेबौ। आबसे हम दोसरे जातीसबके बिच सुसमाचार सुनाइले जाइचियौ।”
यि बातसब ओइ दिन हेतै जै दिन परमेस्वर हमर करल सुसमाचार परचार अनुसार येसु खिरिस्ट दुवारा लोकसबके हिरदयमे रहल गुप्त बातसबके नियाय करतै।
महज तु जिद्द कैरके पस्चाताप करैले नै चाहलिही। ओहैसे तु परमेस्वरके नियाय हैबला दिनमे बरका दन्डके लेल करोध समैटके राखनेचिही, जै दिनमे परमेस्वर ठिकसे नियाय करतै।
परमेस्वर सदोम आ गमोरा सहरके भस्म कैरके ओकर नामो निसान मेट्यादेल्कै। परमेस्वरके नै मानैबलासबके दुरदसा कनङ हैछै कैहके यि एकटा उदाहरन भेलै।
ओहिनङ परभु धरमी लोकसबके संकटसे बचाबैले आ अधरमी लोकसबके दन्ड दैले नियायके दिन तलिक राखैले जानैछै।
महज ओह्या बचनसे नियाय हैबला दिनतकके लेल अकास आ पिरथिबीके आइगसे नास करैके लेल बचाके राखनेछै। अकरा वहे दिनके लेल राखनेछै जहिया अधरमी लोकसबके नियाय हेतै आ ओकरासबके नास करलजेतै।
अहिनङे अपनासबके परेम सिध हैतजेतै आ नियाइके दिनमे अपनासबके डराबे नै परतै, कथिलेकी खिरिस्ट जहैनछै, तहिनङे अपनोसब यि सन्सारमे चियै।
तहिनङे सदोम, गमोरा आ ओकर कातकरौतके सहरके लोकसब एक एक कैरके दोसर घिनौना बेबिचारके काम करे लाग्लै। उसब आइगमे नास भ्याके कहियो नै बुताइबला आइगके दन्ड पाबैबलासबके लेल उदाहरन बन्लै।