40 यि बात सुइनके उसब हास्लै, तब येसु उ सबके बाहर निकालल्कै। तकरबाद छौरीके बाबु-माँ आ ओकरसङे भेल्हासबके सङे ल्याके छौरी भेल ठाममे गेलै।
कोनो भि चिज मुह भितर ढुकैछै उ चिज लोकके असुध नै करैछै, महज जे बात मुहसे बाहर निकलैछै, ओहे बात लोकके असुध करैछै।”
“पबितर चिज कुतासबके नै दहै, नै त घुइमके तोरे धरतौ आ आपन हिरा-मोती सुगरसबके अगा नै फेक, नै त उसब आपन तरबासे ओइसबके मिसैर देतौ।
येसु भितर ढुइकके ओइसबके कहल्कै, “तुसब कथिले हल्ला करैचिही आ कानै चिही? छौरी नै मरल छै, महज उ सुतल छै।”
तब ओइ छौरीके हाथ पकैरके कहल्कै, “तालिता कुमी” जकर अरथ चियै, “ए छौरी, हम तोरा कहैचियौ, उठ।”
यि बात सुइनके धनके लोभी फरिसीसब येसुके मजाक उराइल्कै।
लोकसब मैरके जि उठैछै से बात सुइनके ओतेका कतहेक लोक पावलके मजाक उराइल्कै। महज कोइ-कोइ कहल्कै, “यि बात फेनो हमसब सुनैले चाहैचियै।”