4 कथिलेत बहौत बेर ओकर टाङ-हाथ लोहाके झिझिर आ करिसे बानहल्कै, महज झिझिर तोइरके करिके खुन्डी-खुन्डी कैरके तोरदैछेलै। कोइ नै ओकरा बसमे करे सक्ने रहै।
उ लोक चिहान भेल ठाममे रहैतरहै। ओकरा जंजिरसे कोइयो नै बाइन्हके राखे सकै।
उ रात आ दिन चिहानसब आ पहारसबमे हरदम हल्ला करैत आपनेसे आपन देहके पथलसे चिरैत घुम-फिर करैत रहैछेलै।
कथिलेत येसु भुत आत्माके ओइ लोकसे निक्लैके आग्या देने छेलै। ओकरा बहुत बेर भुत लागल छेलै। लोकसब बहुत बेर ओकर टाङ-हाथ घुरीसे खुट्टामे बान्हैछेलै महज ओइ घुरीके तोइर दैछेलै। तब भुत आत्मा ओकरा उजार जगह दिसरा ल्याजैछेलै।