37 तब येसु पतरुस, याकुब आ याकुबके भाइ युहन्ना बाहेक औरो ककरो आपनसङे आबैके अनुमति नै देल्कै।
छ दिनके बाद येसु आपनसङे पतरुस, याकुब आ ओकर भाइ युहन्नाके ल्याके उच्का पहारमे गेलै।
महज पतरुस आ जब्दियाके दुनु बेटाके येसु आपने सङे ल्यागेलै। उ बहुत दुखी आ ब्याकुल हैले लाग्लै।
तब पतरुस, याकुब आ युहन्नाके येसु आपनसङे ल्याके गेलै, ओकर मन एकदम चिन्तासे बिचलित हेबे लाग्लै।
छठम दिन बाद येसु आपनसङे पतरुस, याकुब आ युहन्नाके साथमे ल्याके एकटा उच्का पहारमे गेलै आ ओते औरो कोइ नै छेलै। तब ओकरेसबके सामनेमे देख्ते-देख्ते ओकर रुप बदैल गेलै।
जब येसु याइरसके घरमे पुग्लै तब पतरुस, याकुब, युहन्ना आ धियापुताके माँ बाबुके सिबाय ककरो नै भितर ढुकैले देल्कै।
तकरबाद पतरुस सबलोकके घरसे बाहर निकालल्कै आ ठेङहुनिया द्याके परथना करल्कै। तब लहास दिसन घुइमके कहल्कै, “तबिता, उठ!” तब उ आँख उघारल्कै त सामनेमे पतरुसके देखके उइठके बैठलै।
हम तेसर बेर तोरासबलग आइबरहल चियौ। पबितर धरमसास्तर अनुसार, “दुइ वा तिन साक्छीसबके कहल बातसे मातरे कोनो बात सत कैहके साबित हैछै।”