35 येसु बोल्तै बखत याइरसके घरसे लोकसब आइबके कहल्कै, “मालिक अहाँके बेटी त मरगेल। आब गुरुजीके दुख नै दियौ?”
महज येसु चेलासबके यि बिचार थाह पाइबके ओइसबके कहल्कै, “तुसब कथिले यि जनिके सताबैचिही? यि हमरा लेल बहौत असल काम करने छै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “सहरमे एकटा लोकलग जो आ ओकरा कहिहे ‘गुरु जी कहैछै कि हमर समय लगचिया गेल छै। हम आपन चेलासब जरे अहाँ कते निस्तार पाबैनके भोज ख्याब।’”
जब येसु ओइसबके यि बात सुनाइछेलै, तब अचानक सभाघरके एक गोरा सासक एलै आ ठेङहुनिया दैत ओकरा कहल्कै, “हमर बेटी अखुन तुरन्ते मैर गेलै, महज अहाँ चलु आपन हाथ ओकर उपरमे राइखदेबै त उ जिबित भ्याजेतै।”
जब येसु रस्तामे जाइछेलै तब एकटा लोक दौरके ओकर अगा एलै आ ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “हे असल गुरु जी, अनन्त जिबन पाबैले हमरा कथी करेपरतै?”
सभाघरके सासकसबमेसे याइरस नामके एकटा लोक येसु लग एलै आ ओकरा देखैत मातर ओकर टाङमे निहुकके गोरलगी करल्कै,
येसु बोल्ते छेलै तहै बखत याइरसके घरसे एकटा लोक एलै आ कहल्कै, “अहाँके बेटी मर गेलै। आब गुरु जी के दुख नै दियौ।”
तब मारथा येसुके कहल्कै, “परभु, यदि अहाँ अइ ठाममे रहतियै त हमर भाइ नै मरतियै।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “पुनरुथान आ जिबन हम्ही चियै। जे हमरा बिस्बास करतै, उ मरबो करतै त जिबित हेतै।
अतबेक कहैके मारथा गेलै आ आपन बहिन मरियमके एक कातमे बोल्याके कहल्कै, “गुरु जी एते एलछै आ तोरा बोल्यारहल छौ।”
जब मरियम येसु भेल ठाममे पुग्लै आ ओकरा देख्तै मातर ठेङहुनिया दैत कहल्कै, “परभु, यदि अहाँ एतै रहतियै त हमर भाइ नै मरतियै।”
तकरबाद येसु कहल्कै, “पथल हटा।” महज लाजरसके बहिन मारथा कहल्कै, “परभु, अखुनतक त उ गन्हा गेलहेतै, कथिलेत ओकरा मरला चार दिन भ्यागेलै।”
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, उ समय आइबरहल छौ आ आइबगेल छौ, जब मरलहा लोकसब परमेस्वरके बेटाके अबाज सुन्तै आ जे कोइ ओकर अबाज सुन्तै सेसब बाच्तै।