23 आ एहेन कैहके बिन्ती करल्कै, “हमर छोटकी बेटी मरे लागल छै, आइबके ओकर उपरमे आपन हाथ राखदिय जैसे उ निक हेबे आ जि जाय।”
तब येसु आपन हाथ अगा बरहाके छुबल्कै आ कहल्कै, “हम चाहैचियौ, तु सुध भ्याजो।” उ तखुन्ते कोढि-कुस्टीसे सुध भेलै।
उसब आपन हाथसे साँपसब पकरतौ आ कोनो परकारके बिखो पिलेतै त तैयो कोनो नोक्सान नै हेतै। तब रोगी-बिमारीसब उपर आपन हाथ राख्तौ आ उसब निक हेतौ।”
तब येसु ओकरसङे गेलै। लोकसबके एकटा बहौत बरका भिर ओकर पछा लाग्लै आ लोकसब ओकर कात ठेलमठेल करे लाग्लै।
उसब बहौत भुतसब निकालल्कै आ तेलमे परथना कैरके बहौत रोगी-बिमारीसबके लग्याके निक करल्कै।
ओते लोकसब एकटा बैहरा आ बौकासबके ओकरलग आनल्कै आ ओइसबके उपर आपन हाथ राइखके निक कैरदिय कैहके बिन्ती करल्कै।
तब येसु उ आन्हर लोकके हाथ पकैरके गामसे बाहर ल्यागेलै आ ओकर आँखमे थुक लगाके आपन हाथ ओकर उपर राखैत कहल्कै, “कि तोहे कुछो देखैचिही?”
तब येसु ओकर उपरमे आपन दुनु हाथ राखल्कै। उ तखुन्ते सोझ भेलै आ परमेस्वरके परसन्सा करे लाग्लै।
यहुदी सभाघरसे निकैलके येसु सिमोनके घरमे गेलै। तै बखत ओकर सौसके बहुत जोरसे जर बोखार लागल छेलै। तकर घरके लोकसब, “अकरा निक कैरदिय” कैहके येसुके आगरह करल्कै।
रौद डुब्लाके बाद बहुत किसिमके रोगीसबके येसु लग आनल्कै। येसु ओकरासबके उपरमे हाथ राखल्कै आ सब रोगीसबके निक करल्कै।
जब येसु गामके दुवारमे पुग्लै, तब बिधुवाके एकलौता बेटाके लहास बोइकके कठियारी जाइ छेलै। ओइ बिधुवासङे गामके बहुतरा लोकसब छेलै।
तैखातिर दुनु बहिन येसुके एहेन कैहके समाध पठाइने छेलै, “परभु, जकरा अहाँ परेम करैचियै, उ बिमार भेल छै।”
ओहै बखत पब्लियसके बाबु जर आ सुलवाइके पिरामे छेलै। ओहैसे पावल ओकर घर भितर ज्याके ओकर बाबुके लेल परथना करल्कै आ ओकर उपर आपन हाथ राइखके निक करल्कै।
तकरबाद उसब ओइलोकसबके परेरितसबके सामने आनल्कै आ परेरितसब ओकरासबके उपर आपन-आपन हाथ राइखके परथना करल्कै।
तब उ दुनुगोरा आपन-आपन हाथ ओइसबके उपरमे राखल्कै आ उसब पबितर आत्मा पाबल्कै।
उ फेनसे देखे सकै कैहके दरसनमे हननिया नाम भेल एकटा लोक भितर आइबके आपन उपर हाथ राखैत देखल्कै।”
तब हननिया गेलै आ ओइ घरमे ढुइकके साउल उपर हाथ राइखके कहल्कै, “भाइ साउल, तोहे आबैतखिना जे परभु येसु तोरा रस्तामे दरसन देने छेलौ, ओह्या हमरा तोहर खातिर तु देखे पाबबिही आ पबितर आत्मासे भरपुर हेब्ही कैहके हमरा पठाइने छै।”