21 जब येसु फेनो समुन्दरके दोसरकात गेलै, तब लोकसबके एकटा बरका भिर जमा भेलै। तै बखत येसु समुन्दरके कातमे ठार रहै।
तकरबाद येसु नाहमे चहैरके तालके दोसरकात उ आपने सहरमे घुइमके एलै।
येसु फेनो गालिल तालके कातमे सिक्छा देबे लाग्लै। ओकर चारुकात लोकसबके भिर अतहेक बेसी छेलै कि उ तालमे भेल एकटा नाहमे चहैरके ओइमे बैठलै। ओते लोकसब तालके कातमे बैठल रहै।
तब चेलासब भिरके छोइरके येसु जै नाहमे बैठल रहै, तहै नाहमे बैठके ओकरो आपनसङे ल्याके गेलै आ औरो नाहसब ओकरसङे छेलै।
येसु नाहसे बाहर निकैलते मातर एकटा भुत-आत्मा लागल लोक चिहान भेल ठामसे निकैलके ओकरा भेटलै एलै।
जब येसु घुइमके झिलके कातमे एलै। ओते लोकसब ओकर आसमे बैठल छेलै तब उसब येसुके स्वागत करल्कै।