19 महज येसु ओकरा अनुमति नै देल्कै, महज ओकरा कहल्कै, “तु आपन घरमे ज्याके तोहर साथीसबके तोहर लेल परभुके करल महान काम आ तोरा देख्याल बरका दयाके बारेमे कैहदहै।”
तब उ लोक ओइ ठामसे चैलगेलै आ ओकर खातिर येसु कतेक बरका काम कैरदेने छेलै तकर परचार डेकापोलिस इलाका भैर करे लाग्लै आ सब लोकसब आस्चरज मानल्कै।
“तु आपन घर जो आ परमेस्वर तोहर लेल जे अचमके काम करल्कौ से समाचार फैला।” तब उ लोक घर ज्याके यि अचमके कामके समाचार पुरे गाम आ सहरमे परचार करे लाग्लै।
“आबैजो, अते आइबके एकटा लोकके देख! हमर करल सबकाम उ हमरा कैहदेल्कै। कि ओह्या मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट त नै चियै?”